गया। भगवान बुद्ध क ज्ञानस्थली बोधगया में एक जनवरी स प्रस्तावित तिब्बति क कालचक्र पूजा लेल एखन धरि करीब दू लाख 50 हजार लोक पहुंच चुकल अछि। धर्मगुरु दलाई लामा सेहो बोधगया पहुंच गेलाह अछि। पूजा लेल सबटा प्रशासनिक तैयारी पूरा करि लेल गेल अछि। बोधगया में बौद्ध श्रद्धालु क एबाक सिलसिला जारी अछि। कालचक्र पूजा 10 जनवरी तक चलत। एहि आयोजन में शीर्ष अध्यात्मिक धर्मगुरु दलाई लामा क अलावा जापान, श्रीलंका, तिब्बत, थाईलैंड, भूटान सहित विभिन्न बौद्ध देश क अवतारी लामा आ बौद्ध भिक्षु आ पर्यटक शामिल हेताह। पूजा आयोजन समिति क सदस्य क कहब अछि जे आगंतुक श्रद्धालु क पंजीकरण जारी अछि। ओ कहला जे चीन क एक हजार बौद्ध श्रद्धालु पंजीकरण करा चुकल छथि। आयोजन समिति दिस स शहर क कईटा स्थान पर श्रद्धालु क ठहरबा लेल व्यवस्था कैल गेल अछि। बोधगया क तिब्बती मंदिर में दलाई लामा क रहबाक व्यवस्था अछि। दोसर दिस बोधगया प्रशासन सुरक्षा व्यवस्था सख्त क देलक अछि। सुरक्षा व्यवस्था लेल पूरा इलाका कए तीन जोन में बांटल गेल अछि। सातटा पुलिस उपाधीक्षक, 1500 पुलिस अधिकारी आ पैघ संख्या में सुरक्षा बल क तैनाती कैल गेल अछि। पुलिस क करीब एक सौ जवान मोटरसाइकिल आ पैदल गश्त लगा रहल छथि। सबस पैघ गप जे गयाक आम लोक पाहुनक स्वागत लेल तत्पर भ गेल अछि आ श्रद्धालु कए कोनो प्रकार क दिक्कत नहि हुए, एकर पूरा ख्याल राखल जा रहल अछि।