6,808.85 करोड़ क रेवन्यू सरप्लस बजट, शिक्षा पर होएत सबस बेसी खर्च
पटना । आधारभूत संरचना आ मानव संसाधन विकास पर बराबर ध्यान द कए बिहार नहि केवल अपन तेज विकास दर कए टिकाऊ बनाउत, बल्कि करिश्माई राज्य क रूप मे बनल अपन पहचान कए बरकरार रखबाक प्रयास सेहो करत । किछु एहने दावा क संग उपमुख्यमंत्री सह वित्त मंत्री सुशील कुमार मोदी विधानमंडल मे किछु नव कर स लैस 92,087.93 करोड़ क बजट पेश केलथि। इ हुनकर लगातार 9वां बजट अछि। ओ कहला जे इ 6,808.85 करोड़ टका क रेवन्यू सरप्लस बजट अछि।
विधानसभा आ विधान परिषद मे बजट पेश करि अपन कक्ष मे आयोजित संवाददाता सम्मेलन मे मोदी कहला जे योजना आकार 39,006.30 करोड़ क अछि, जखनकि 53,081.63 करोड़ गैरयोजना आकार अछि। राज्य क अपन योजना आकार 34,000 करोड़ क अछि। बिहार सरकार एहि साल सबस बेसी राशि शिक्षा पर खर्च करत । 2012-13 मे 15,054.12 करोड़ क मुकाबला मे शिक्षा पर 2013-14 मे 18,280.78 करोड़ खर्च होएत। मोदी कहला जे योजना मद मे शिक्षा पर नव वित्तीय वर्ष मे बजट क 15.29 प्रतिशत यानी 5197.71 करोड़ खर्च कैल जाएत। सड़क पर योजना आकार क 12.45 प्रतिशत आ कृषि पर 6.40 फीसद राशि खर्च होएत। सिंचाई पर 7.10 प्रतिशत क आवंटन अछि । शिक्षा आ खेती राज्य सरकार क प्राथमिकता अछि।
मोदी क अनुसार पिछला सात साल स लगातार रिवन्यू सरप्लस पेश कैल जा रहल अछि। राजद क कार्यकाल मे हरदम घाटा क बजट पेश कैल जाइत छल। पूंजीगत खर्च स सम्पत्ति क निर्माण क बदला मे वेतन-पेंशन आदि देबा क काज होइत छल । बजट मे 11832.69 करोड़ कर्ज लेबा क प्रावधान कैल गेल अछि जाहि मे स 13.28 करोड़ पूर्व मे देल गेल ऋण स वसूलल जाएत। ओ कहला जे आबादी क अनुरूप अनुसूचित जाति पर बजट क 16 प्रतिशत खर्च कैल जाएत, मुदा 5769.35 करोड़ क प्रावधान कैल गेल अछि जे बजट क 16.69 प्रतिशत अछि। ओ कहला जे मार्च मे सत्र मे जेंडर बजट पेश कैल जाएत।
ओ कहला जे राज्य क राजस्व प्राप्ति 91,899.16 करोड़ अछि आ राजस्व खर्च (रिवन्यू एक्सपेंडिचर) 73,257.62 करोड़ अछि। एहि प्रकार इ 6808.85 करोड़ क रिवन्यू सरप्लस बजट अछि । फिस्कल डिफिसिट 8769.45 करोड़ क अछि जे सकल राज्य घरेलू उत्पाद (जीएसडीपी) क 2.79 फीसद अछि, जे केंद्र सरकार द्वारा निर्धारित 3 प्रतिशत क सीमा स कम अछि।
श्री मोदी कहला जे सरकार शीघ्र दूटा नव वित्त विधेयक आनत। ओ कहला जे कोयला, गिट्टी, मार्बल, लकड़ी सन वस्तु पर चेक-पोस्ट पर अग्रिम टैक्स वसूलबाक व्यवस्था कैल जा रहल अछि। संगहि 2500 टका सालाना तक पेशा कर देनिहार कए रिटर्न भरबा स छूट देबा लेल कानून मे संशोधन कैल जा रहल अछि।
——————-
सस्ता भेल
- -चिकित्सा सेवा मे उपयोग भ रहल आक्सीजन
- -नन-इन्सेंस अगरबत्ती
- -नारियल
- -कुर्थी, मटर आ राजमा
महंग भेल
- -फर्नीचर, लिफ्ट, एलिवेटर, बैटरी, बैटरी चार्जर पर लागत इंट्री टैक्स
- -हस्तनिर्मित साबुन, नान-स्टिक कुकवेयर, मच्छर भगेनिहार टिकिया आ लिक्विड, ग्लास, फर्श आ दीवार क्लीनर पर लागत टैक्स। पहिने इ करमुक्त छल।
- -ट्रांसमिशन टावर, ट्रांसफार्मर आ यूपीएस पर टैक्स 5 प्रतिशत स बढ़ा कए 13.5 प्रतिशत कैल गेल।
- -बीड़ी पर 13.5 प्रतिशत टैक्स । पहिने कर मुक्त छल।
- -सिगरेट आ अन्य तंबाकू उत्पाद पर 20 फीसद स टैक्स बढ़ा कए आब 30 प्रतिशत कैल गेल।
- -देशी आ विदेशी शराब पर लागत सरचार्ज
- -सिमेंट पोल पर लागत बेसी कर
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर