नई दिल्ली। सांझ 3:30 बजे योजना आयोग क संग बैठक निर्धारित ठल। मुख्यमंत्री आ उपमुख्यमंत्री सहित बिहार क आला अधिकारी समय स आयोग पहुंच गेल छलाह।
योजना आयोग क उपाध्यक्ष मोंटेक सिंह अहलूवालिया क संग हुनकर कोठली मे किछु काल रुकलाक बाद सब गोटे योजना आयोग क कॉन्फ्रेंस हॉल मे पहुंचलाह आ ओहि ठाम मुख्य सचिव बिहार क सेक्टरवाइज प्रेजेंटेशन देब शुरू केलथि। ओकर बाद योजना आयोग क सदस्य अपन बात रखलथि आ कहलथि जे बिहार कौन तरह स योजना आकार बढ़ेबा लेल क्वालिफ़ाइ करि रहल अछि। ओकर बाद मुख्यमंत्री क बारी आएल। ओ बिना रुकने 55 मिनट तक एक-एक योजना क विषय मे विस्तार स जानकारी देलथि। योजना आयोग मे कोनो बिहारक मुख्यमंत्री इ सबस पैघ प्रस्तुति छल। मुख्यमंत्री क धाराप्रवाह योजनावार स्थिति बतेबा स ऐहन लागि रहल छल जेना मुख्यमंत्री एकरा लेल काफ़ी तैयारी केने छलाह। एहि बीच पायलट प्रोजेक्ट कए लकए गप चलल, जेकर समर्थन नंदन नीलेकणि केलथि आकहला जे एहि दिशा मे बिहार काफ़ी नीक काज करि रहल अछि। ओ कहला जे यदि बिहार क योजना अन्य प्रदेश मे सेहो लागू भ सकए त बीपीएल क पहचान करबा मे आसानी होएत। एकर समर्थन बिहार स लौटल योजना आयोग क सदस्य नरेंद्र जाधव सेहो केलथि।
केंद्रीय वित्त मंत्री, योजना आयोग क उपाध्यक्ष, योजना आयोग क अन्य सदस्य, यूआइडी (यूनिक आइडेंटिटीफ़िकेशन अथॉरिटी) क चेयरमैन नंदन नीलेकणि सब गोटे बिहार मे भ रहल गुणात्मक सुधार क गप कए सही मानि मुख्यमंत्री क दावा कए मजबूत करि देलथि। नीलकेणि बिहार क इ-शक्ति योजना क प्रशंसा करैत एकरा पूरा देश मे लागू करबा लेल मोंनटेक स आग्रह केलथि। ओ कहला जे इ योजना कए देश मे रोल मॉडल क तरह अपनाउल जेबाक चाही।
बिहार क एतबा प्रगति बुझबाक बाद ओकर मांग पर योजना आयोग मुहर लगेबा मे देर नहि केलक। योजना आकार कए मंजूरी भेटलाक बाद योजना आयोग क एकटा अधिकारी कहला जे आयोग क लेल राज्य क बेहतर प्रदर्शन, तेजी स बढै़त विकास दर आ संस्थागत सुधार योजना आकार क मंजूरी क लेल ठोस आधार बनल, मुदा सबस पैघ गप बिहारक प्रस्तुति छल, किया कि बिहार अपना कए प्रस्तुत करबा मे एहि बेर कामयाब रहल।