8वीं सदी क क्षतिग्रस्त मूर्ति कए भेट सकैत अछि पूर्ण स्वरूप
ज्योति श्रीवास्तव
दरभंगा। मधुबनी क रहिका क महम्मदपुर जरहटिया मे खुदाई क दौरान बुद्ध क प्रतिमा क एकटा मुंह भेटल अछि। इ मुंह दरभंगा क महाराजा लक्ष्मेश्वर सिंह संग्रहालय मे राखल 8वीं सदी क बिना मुंह क बुद्ध प्रतिमा स मिलेत-जुलैत बुझा रहल अछि। दूनू ब्लैक स्टोन क प्रतिमा अछि आ दूनू कए जोडला पर एकटा संपूर्ण मूर्ति बनि रहल अछि। प्राप्त जानकारी क अनुसार संग्रहालय मे राखल मूर्ति सेहो रुद्र सिंह क कार्यकाल में महम्मदपुर जरहटिया मे खुदाई क दौरान भेटल छल, जेकरा कामेश्वर सिंह क दान स्वरूप भेटल धरोहर क संग संग्रहालय मे स्थान देल गेल अछि। जानकार कहब अछि जे संग्रहालय में राखल मूर्तिक मुंह जे ओहि खुदाई मे नहि भेट सकल छल ओ संभवत: आब भेट गेल अछि। जाहि स्थान पर मूर्ति क मुंह भेटल अछि ओहि ठाम पिछला तीन मास स किछु कालांतर पर खुदाई कैल जा रहल अछि। पिछला एक सप्ताह पूर्व ओहि ठाम एकटा तमघैल में कौरी सेहो भेटल छल। मजदूर सब तमघैल कए त फोडी देलक मुदा कौरी आपस मे बांटी रखलक। परसू जखन मूर्तिक माथ भेटल त आसपास एकर चर्च शुरू भ गेल आ लोक मूर्तिक पूजा शुरु क देलक। किछु लोक एकरा बुद्ध क मुंह बता रहल अछि त किछु एकरा विष्णु क मूंह बता रहल अछि, मुदा इ सर्वमान्य अछि जे इ स्थान पुरातात्विक महत्व क अछि आ एहि ठाम ठीक स खुदाई करेबाक चाही। एहन खुदाई स बुद्ध सर्किट क विकास संभव भ सकत आ वैशाली आ लुंबिनी मार्ग क सेहो पता लागि सकत। लेकिन सबस पहिने जरुरत अछि मूर्तिक दूनू टूकडा कए एक करबाक आ एहि प्रयास लेल सरकार कए पहल करबाक सब बाट ताकि रहल अछि।
इतिहासकार विजय झा क कहब अछि जे एहि स्थान क खुदाई स बौद्ध कालीन बहुत रास गप क पता चलि सकैत अछि। ओहुना एहि क्षेत्र मे धार्मिक पर्यटनक अपार संभावना अछि। एहि इलाका मे पहिनो बौद्ध स्तूप आ प्रतिमा सब भेट चुकल अछि। इ क्षेत्र वैशाली आ कपिलवस्तु दूनू क मार्ग मे अबैत अछि। चंद्रधारी संग्रहालय, दरभंगा क क्यूरेटर जीतेंद्र कार्यी क कहब अछि जे 8वीं आ 9वीं सदी मे मिथिला मे बौद्ध धर्म क उपस्थितिक ठोस प्रमाण अछि। अगर ठीक स एकर खुदाई आ शोध कैल जाये त मिथिला बौद्ध क एकटा पैघ विहार क रूप मे सामने आउत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
Maithili me paidh man kush bhagel apne sabhak nik paryas chhi indrajeet rai sachiv mithila youth fedration bihar