• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

गरीबी पर भ्रम पैदा करबाक कोशिश

December 7, 2009
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। गरीबी पर नव सिरा स शुरू भेल चर्चा कए आगू बढ़वैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलथि जे गरीबी क मामला मे इ भ्रम पैदा करबाक कोशिश कएल जा रहल अछि जे गरीबी खत्म भ रहल अछि। कहियो कैलोरी त कहियो डॉलर क गप कहि कए गरीबी रेखा स नीचा रहै वाला लोक क सूची तय करबाक गप होइत अछि। मुख्यमंत्री कहलथि जे दरअसल गरीबी रेखा स नीचा रहै वाला लोक क संख्या तय करबाक केंद्र क जे पैमाना अछि, ओ सब तरह स गलत अछि। स्थानीय तारामंडल मे आयोजित एकटा कार्यक्रम मे मुख्यमंत्री इ गप कहलथि। ओ कहला जे बीपीएल सूची कए लकए भेल गहन सर्वेक्षण क क्रम मे बिहार मे 1.22 करोड़ लोक कए गरीबी रेखा स नीचा पाउल गेल। इ गहन सर्वेक्षण क बाद इ शिकायत रहि गेल जे पैघ संख्या मे नाम छूटि गेेल अछि। नाम छूटै कए 60 लाख टा शिकायत आएल। एकर जांच भ गेल अछि आ आब 20 लाख अतिरिक्त बिहार मे गरीबी रेखा स नीचा रहनिहार लोक कए सूची मे जुड़ जाइत। एहि तरह स लगभग डेढ़ करोड़ टा लोक गरीबी रेखा स नीचा रहनिहार लोक क सूची मे शामिल भ जाइत। इ स्थिति तखन अछि, जखन केंद्र द्वारा निर्धारित लाइन पर सर्वे भेल अछि।
गरीबी रेखा स नीचा रहनिहार लोक क बारे मे गप करैत मुख्यमंत्री केंद्र क रवैया पर सेहो खूब निशाना सधलथि। ओ कहला जे विचित्र स्थिति अछि। पहिने ओ संख्या तय करि देइत अछि जे बिहार मे एतबै लोक गरीबी रेखा स नीचे अछि आ फेर हम कहैत छी जे हुनकर पहचान करू। इ उचित नहि अछि। केंद्र जखन संख्या तय करि रहल अछि तखन ओ इ चिन्हित सेहो करे जे गरीब के अछि। केंद्र क हाउसहोल्ड सर्वे स बेसी एहि ठाम गरीब अछि।
अखिनो एनसी सक्सेना क कमेटी इ तय करबाक लेल बनल अछि जे गरीब कोन अछि। हाल मे श्री सक्सेना बिहार सेहो आएल छलाह। श्री सक्सेना क संग हुनका इ मसल पर गप भेल छल। ओना गरीबी मपबाक तरीका पर किछु दिन पहिने पटना मे ओ इ क्षेत्र क विशेषज्ञ क एकटा पैघ सेमिनार सेहो करेने छल, जेहि मे इ गप प्रमुखता स रखल गेल छल जे केंद्र क जे पैमाना अछि, ओ गलत अछि।
केंद्र द्वारा योजना मे भेदभाव आ नीति तैयार करबा मे सेहरा लेबाक प्रवृत्ति पर सेहो मुख्यमंत्री खूब कहलथि। मुख्यमंत्री कहला जे हर बेर इ तय होइत अछि जे राज्य मे केंद्र प्रायोजित योजना क संख्या कम होइत, मुदा केंद्र लगातार केंद्र प्रायोजित योजना क संख्या बढ़ा द रहल अछि। एहि तरह जखन कोनो नीति बनबाक होइत अछि त ओकर सेहरा ओ खुद ल लेइत अछि आ जखन कोनो समस्या पैदा होइत अछि त ओ राज्य क दोष ठहरा देल जाइत अछि। संघीय ढांचा मे एहि तरह क प्रवृत्ति ठीक नहि अछि।

Tags: nithishpoor

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

योगक्रांति अग्रदूत क महाप्रयाण स सन्नाटा

Esamaad Epaper Website

उमानाथ बाबू नहि रहलाह

कहलगांव फायरिंग क रिपोर्ट सौंपल गेल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि