पटना। एके चौधरी क नाम स चर्चित बिहार क पूर्व मुख्य सचिव अशोक कुमार चौधरी बिहार क नवका मुख्य सूचना आयुक्त हेताह। हिनकर नियुक्ति क संगहि मुख्य सूचना आयुक्त क कुर्सी कए लकए उठि रहल अटकल पर विराम लागि गेल। पिछला एक साल स इ पद रिक्त छल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे नेता प्रतिपक्ष राबड़ी देवी आ उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी क मौजूदगी मे भेल बैठक मे आम सहमति स इ निर्णय लेल गेल। आब सरकार प्रस्ताव कए राजभवन पठाउत आ राज्यपाल क आदेश स विधिवत अधिसूचना जारी होयत। 1972 बैच क बिहार कैडर क भारतीय प्रशासनिक सेवा क अधिकारी चौधरी दू साल पहिने मुख्य सचिव क पद स अवकाश ग्रहण करबाक तत्काल बाद बिहार लोक सेवा आयोग क अध्यक्ष बनल छलाह। हाल मे ओ अपन दो साल क कार्यकाल पूरा केलथि अछि। एक अक्टूबर, 2008 कए मुख्य सूचना आयुक्त क पद स न्यायमूर्ति शशांक कुमार सिंह क अवकाश ग्रहण करबाक बाद 3 अक्टूबर, 2008 कए पटना उच्च न्यायालय क अवकाश प्राप्त मुख्य न्यायाधीश जेएन भट्ट कए मुख्य सूचना आयुक्त बनेबाक अधिसूचना जारी भेल छल मुदा पारिवारिक कारण स ओ पदभार ग्रहण नहि केलथि।