• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

छी,छी….लाट साहेब

February 19, 2013
in विचार, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

आजाद भारत मे राज्‍यपाल क पद राज्‍य पर केंद्र क पहरा जेका कहल गेल अछि, मुदा राजभवन मे जाहि प्रकार स नीलामी आ थेथरई भ रहल अछि ओ एकर औचित्‍य पर सवाल ठार क रहल अछि । बिहार मे जाहि प्रकार स राज्‍यपाल पर आरोप लागल अछि ओ इ देखा रहल अछि जे केंद्र पहरेदार क नाम पर बिहार मे नीलामकर्ता पठा रहल अछि, जे बिहार क लोक कए लूटबा मे लागल अछि आ बिहार क शिक्षा व्‍यवस्‍था कए नीलाम करबा मे लागल अछि । इ सवाल कई बेर उठल अछि जे देश मे राष्‍ट्रपति क पद लेल चुनाव होइत अछि मुदा ”लाट साहेब” लोकतांत्रिक नहि, बल्कि राजतांत्रिक व्‍यवस्‍था जेकां राज्‍य पर थोपल जाइत छथि । जनताक प्रतिनिधि नहि भेलाक बावजूद ओ राजभवन मे सालोसाल राजा जेकां रहैत छथि । कानून जरूर जनप्रतिनिधि बनबैत छथि मुदा ओकरा अंतिम मंजूरी लाट साहेब दैत छथि । सवाल अछि जखन राजभवन जनप्रतिनिधि आ कोर्ट कए नजरअंदाज क निरंकुश तानाशाह जेकां राज्‍य कए लूटबा मे लागल होअथि त जनतंत्र मे एकर कोन ईलाज अछि । बिहारक राज्‍यपाल क व्‍यवहार आ समस्‍या क गंभरता पर पत्रकार ज्ञानेश्‍वर क सटीक विशलेषण। – समदिया

बिहार क अपन लाट साहेब (गवर्नर) देवानंद कुंवर जी बूटा सिंह साहेब स सेहो आगू जाइत देखा रहल छथि । बिना राष्‍ट्रपति शासन कए राजभवन मे ‘गंगा’ बहि सकैत अछि, अपन कुंवर जी प्रमाणित करि देलथि अछि । साहेब क लाली दोसर कांग्रेसी कए ललचा सकैत अछि । राज्‍य मे एनडीए क शासन अछि । एहन पोलपट्टी नीतीश कुमार खोलने रहितथि त आरोप क श्रेणी मे रखतहुं, मुदा लाट साहेब पर गंगा बहेबाक आरोप अपन कांग्रेस क वरिष्‍ठ एमएलसी ज्‍योति विधानमंडल मे सीधा-सीधा लगा देलथि आ स्‍पष्‍ट शब्‍द मे पूछलथि जे कुलाधिपति महोदय कुलपतिक कुर्सी केतबा मे बेचलहुं ,एक करोड़ बा दो करोड़ । कालेज क प्रिंसिपल क दाम सेहो लागल…रिपोर्टर कए ज्‍योति सबटा बता देलथि । कुलाधिपति हेबाक कारण नियुक्ति/स्‍थानांनतरण क अधिकार लाट साहेब लग अछि । रिवाज कुलपतिक नियुक्ति मे सरकार स परामर्श क अछि, मुदा ‘एथिक्‍स’ मे भरोस अपन कुंवर साहेब नहि अछि । कहि सकैत छी जे लाट साहेब ककरो सलाह पर काज करबा मे विश्‍वास नहि रखैत छथि । पहिने हाई कोर्ट हिनकर नियुक्ति कए रद्द केलक । सीनाजोरी क एहि कृत्‍य कए अहां पुरान ‘क्‍लाइंट’ क संग पहिने भ चुकल एग्रीमेंट क ‘रिन्‍यूवल’ कहि सकैत अछि । मुदा एतबा त जरूर से सब गोटे कए दोबारा नियुक्ति क कोर्ट कए सेहो बता देलथि जे ओ कोनो जनप्रतिनिधि नहि बल्कि अंग्रेज क जमाना क ‘लाट साहेब’ छथि । आब इ दोसर गप जे अहां हिनका थेथर कही त हर्ज नहि । एहन मे,ज्‍योति क सवाल दमदार लगैत अछि ।
नीतीश कुमार राजभवन क मनमर्जी पर पहिने अपन पक्ष राखि चुकल छथि। कहने छलाह जे हालात एहन रहल त सरकार क संग राय-मशविरा क व्‍यवस्‍था समाप्‍त क देबाक चाही, किया त इ आब औपचारिता मात्र तक नहि रहल। सरकार केवल धन देबाक काज क रहल अछि, राजभवन ध्‍यान देबा लेल सरकार कए कोनो बाट नहि इ रहल अछि । लाट साहेब जेकरा कुलपति क पद पर नियुक्‍त केलथि अछि ओहि मे स कई गोटे पर पहिने स कई तरह क शिकायत अछि । बिहार क विश्‍वविद्यालय क स्थिति की अछि, राष्‍ट्रीय स्‍तर पर सब जानैत छी । सरकार आ राजभवन क टकराहट क अंजाम आओर खराब परिणाम द सकैत अछि ।
ज्‍योति क जबर्दश्‍त हमला पर लाट साहेब ‘ओनली डिस्‍टरबिंग एलिमेंट’ स बेसी किछु नहि बाजि सकलाह। ज्‍योति क तामस क पाछु क गप कए देखबाक सेहो जरूरत अछि । ज्‍योति क एहि तामस स सत्‍ता पक्ष कए परम सुख क प्राप्ति भेल अछि । कहनिहार इ सेहो कहबा लेल आगू आबि रहल छथि जे मैडम विधान पार्षद क पारी खत्‍म भेलाक बाद पाला बदलबाक इच्‍छा रखैत छथि। खैर,इ बतकही मे फंसबा स बेसी जरुरी ‘सेल प्राइस’ कए बुझबाक अछि । सब कए इ पता अछि जे राजभवन मे कुलपतिक पद नीलाम होइत अछि । विश्‍वविद्यालय/कालेज बेचल जा रहल अछि, इ कोनो आन मसला स बेसी गंभीर मसला अछि किया त इ लोकतांत्रिक व्‍यवस्‍था मे नव प्रकारक अपराध अछि ।
एहन नहि जे केंद्र सरकार बा कांग्रेस आलाकमान कए बिहार क गवर्नर हाउस क एहन गतिविधि क कोनो जानकारी नहि होएत, मुदा दिल्‍ली आदतन चुप अछि । कईटा मौका पर पहिने सेहो कांग्रेसी अपन साहेब क शिकायत दिल्‍ली स क चुकल छथि । ‘काकस’ क बारे मे बता चुकल छथि । मुदा शिकायत स साहेब क सेहत पर कोनो असर नहि पडैत अछि । दिल्‍ली लाबिंग मजबूत अछि । एहि लाबिंग क वजह स असम क राजनीति मे हाशिया पर जा चुकल कुंवर बिहार क राजकुंवर बना देल गेलाह । फेर एहन मौका भेटत नहि भेटत से साहेब पहरेदारी छोडी लूटबा मे जुटि गेलाह अछि। ओना हर्ज की अछि ,कम स कम ‘एनडीटी’ जेकां रंगरेली त नहि मना रहल छथि । किछु बेच रहल छथि, किछु लूट रहल छथि, सैह न…………राजनीति मे इ सब चलैत छै भाई । हुनका लेल सब बाट खुलल अछि ओ लाट साहेब छथि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

मोदी क जिला सबस समृद्ध, सिद्दीकी क जिला नौवां स्‍थान पर

Esamaad Epaper Website

सागर क सवाल क उत्‍तर के देत

Esamaad Epaper Website

कमर्शियल वाहन चलेनिहारि महिला कए रोड-टैक्स माफ

Comments 1

  1. Akhilesh Kumar Jha says:
    12 years ago

    आब त गेलाह किने ?????????

    हम त जहिया कहियो हिनकर विधान मण्डल में भाषण पढ़नाइ सुनलऊ आ देखलहु

    मन ग्लानी सं भरि जाईत छल……….

    चलू भगवानक कृपा जे हिनका सनक लोग सं बिहार उद्धार भेल……….

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि