पटना । निजी क्षेत्र मे स्वास्थ्य सेवा उपलब्ध करेबा लेल उद्यमी सब कए बिहार सरकार हर संभव मदद करत। मदद एहन जे हुनका नहि केवल बैंक स कर्ज दिया देत बल्कि ब्याज भुगतान में सेहो आर्थिक सहायता देत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मंगलदिन सचिवालय संवाद कक्ष मे स्वास्थ्य विभाग क उच्च स्तरीय बैसार मे कहला जे स्पेशिएलिटी, सुपर स्पेशिएलिटी, मल्टी स्पेशिएलिटी अस्पताल आ मेडिकल कॉलेज अस्पताल खोलनिहार कए बैंक स टर्म लोन दियाउल जाएत। लोन पर सब्सिडी सेहो देल जाएत, ताकि निवेशक पर वित्तीय बोझ कम भ सकए। हुनका सरकारी सहायता लोन इंट्रेस्ट सब्सिडी क रूप मे देल जाएत। हुनका राज्य सरकार क उद्योग प्रोत्साहन नीति क अंतर्गत उद्योग कए भेट रहल सबटा लाभ भेटत। ओ कहला जे एकर बदला मे एहनअस्पताल कए निर्धारित सीमा क्षमता तक बीपीएल, गरीब आ अन्य प्राथमिकता वाला रोगी कए रियायत दर पर इलाज क सुविधा देबा लेल कहल जाएत।
स्वास्थ्य सचिव आनंद किशोर कहला जे बिहार मे आब बियाडा क औद्योगिक क्षेत्र मे स्पेशिएलिटी, सुपर स्पेशिएलिटी, मल्टी स्पेशिएलिटी अस्पताल आ मेडिकल कॉलेज अस्पताल क स्थापना नहि कैल जाएत। एहि स रोगी कए दिक्कत होइत छै, ओहिनो इ नॉम्र्स क खिलाफ अछि। ओ कहला जे बैसार में बिहार स्वास्थ्य सेवा निवेश नीति क माध्यम स राज्य मे गुणवक्तापूर्ण आ प्रभावी चिकित्सा उपलब्ध करेबा लेल प्राइमरी, सेकेंडरी आ टरशियरी स्तर क चिकित्सा सुविधा उपलब्ध करेबाक फैसला लेल गेल अछि। मुख्यमंत्री कहला अछि जे प्रदेश क निजी क्षेत्र मे स्वास्थ्य क बेहतर सेवा लेल स्पेशिएलिटी, सुपर स्पेशिएलिटी, मल्टी स्पेशिएलिटी अस्पताल आ मेडिकल कॉलेज अस्पताल क स्थापना करबाक अछि। ओ सुपर स्पेशिललिटी अस्पताल में नेफ्रोलॉजी एंड इंक्लुडिंग रेनल ट्रांसप्लांटेशन, इंडोक्रीनालॉजी, न्यूरोसर्जरी, गैस्ट्रोइंटेरोलाजी, सर्जरी, लीवर ट्रांसप्लांटेशन, अंकोलॉजी आ आथोर्पेडिक कए सेहो एहि मे शामिल करबा लेल कहला।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa