पटना । बिहार सरकार नवजात शिशु क टीकाकरण समय पर करेबा लेल एसएमएस पठा कए अभिभावक कए सूचित करबाक एकटा योजना शुरू करए जा रहल अछि। राज्य नवजात केयर कोर समिति क पटना मे आयोजित बैठक कए संबोधित करैत राज्य स्वास्थ्य समिति क कार्यपालक निदेशक संजय कुमार कहला जे इ योजना अगिला महीना स शुरू करि देल जाएत आ एहि मे आंगनबाडी सेविका आ आशा क मदद लेल जाएत। ओ कहला जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार वर्ष 2010 कए नवजात शिशु वर्ष क रूप मे घोषित केलथि अछि आ एक स सात अगस्त क सप्ताह प्रदेश सरकार द्वारा स्तनपान सप्ताह क रूप मे मनाउल जाएत। उल्लेखनीय अछि जे बिहार मे प्रतिवर्ष 29 लाख बच्चा जन्म लैत अछि जाहि मे स एक लाख चारि सप्ताह क उम्र तक, 1.60 लाख एक साल क भीतर आ 2.10 लाख बच्चा क पांच साल क भीतर मौत भ जाइत अछि, जखन कि प्रसव क दौरान प्रति वर्ष 9360 माता क मृत्य होइत अछि। संजय कहला जे नवजात शिशु क समेकित देखभाल क लेल एहि साल क अन्त तक जे मुख्य लक्ष्य हासिल करबाक अछि ओकर तहत स्वास्थ्य विभाग क प्रमुख सचिव आ जिलाधिकारी सबहक अध्यक्षता मे राज्य मे जिला नवजात शिशु देखभाल समिति क गठन कैल जा रहल अछि।