पटना। राज्य सरकार दरभंगा समेत 28टा शहर आओर करीबी इलाका क आर्थिक गतिविधि कए व्यवस्थित करबा लेल सिटी बिजनेस प्लान तैयार करा रहल अछि। नगर विकास आ आवास मंत्री डा.प्रेम कुमार कहला जे 28 शहर मे डीएफआइडी (डिपार्टमेंट फार इंटरनेशनल डेवलपमेंट) संपोषित सपोर्ट प्रोग्राम फार अर्बन रिफार्म्स क तहत इ तैयार भ रहल अछि। एहि मे 15 निकाय स सिटी बिजनेस प्लान क प्रतिवेदन प्राप्त भ गेल अछि। ओकर समीक्षा कैल जा रहल अछि। शेष 13टा निकाय स अंतिम रिपोर्ट जनवरी क अंत तक हासिल क लेल जाएत। एहि प्रतिवेदन क आधार पर नगर निकाय आ शहर स सटल ग्रामीण क्षेत्र क आर्थिक गतिविधि कए व्यवस्थित करबाक कार्रवाई कैल जाएत। ज्ञात हुए जे एहि योजनाक तहत मुजफ्फरपुर, दरभंगा, सीतामढ़ी, मोतिहारी, बेतिया, आरा, बिहारशरीफ, छपरा, सिवान, हाजीपुर, पटना, खगौल, फुलवारीशरीफ, दानापुर और बेगूसराय शहर लेल प्लान तैयार भ रहल अछि।
एहि मे एहि शहर सब क बेहतर तरीका स आर्थिक विकास होएत आ नगर निकाय कए राजस्व मे सेहो वृद्धि होएत। नगर विकास मंत्री कहला जे राज्य क विकास लेल शहर मे आर्थिक गतिविधि क समग्र विकास अत्यावश्यक अछि। एहि नजरिया स सिटी बिजनेस प्लान महत्वपूर्ण कड़ी अछि। बिजनेस प्लान क तहत शहर क अर्थव्यवस्था, शहर आओर एकर करीबी क्षेत्र कए कोर इकोनामिक सेक्टर, निवेश क वातावरण आ व्यावसायिक प्रतिस्पर्धा, लिंकेज, बाजार क जरूरत क अनुसार प्रशिक्षित लोग, ट्रेनिंग क जरूरत, जन निजी भागीदारी क तहत निवेश क संभावना वाला क्षेत्र क पहचान, स्ट्रीट वेंडर जोन क विकास क कार्य योजना आदि मसला क अध्ययन क योजना तैयार कैल गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर