पटना। बिहार क सबस पैघ सिंचाई परियोजना मे स एक दुर्गावती जलाशय परियोजना क निर्माण लेल केंद्र सरकार स अनुमति भेट गेल अछि। सासाराम क सांसद आ लोकसभा अध्यक्ष मीरा कुमार क निजी हस्तक्षेप स एहि परियोजना क निर्माण क सबटा अडचन समाप्त भ गेल। । 28 दिसम्बर कए केन्द्रीय वन आ पर्यावरण मंत्रालय एहि संबंध मे मंजूरी पत्र जारी केलक अछि। पत्रक अनुसार उच्चतम न्यायालय क निर्देश पर जाहि 22 बिंदु कए बिहार सरकार कए पूरा करबाक छल, ओकरा बिहार सरकार पूरा करि देलक अछि आ ओकर रिपोर्ट केंद्र सरकार कए पठा देलक अछि। संबंधित दस्तावेज क जांच क बाद उक्त परियोजना कए पूरा करबाक निर्देश केंद्र सरकार द्वारा जारी करि देल गेल अछि। राज्य क वन आ पर्यावरण विभाग क सचिव दीपक कुमार सेहो एकर पुष्टि करैत कहला अछि जे आब एकर निर्माण में कोनो अड़चन नहि रहि गेल अछि। जून, 1976 में तत्कालीन सांसद आ केन्द्रीय मंत्री बाबू जगजीवन राम एहि परियोजना क शिलान्यास केने छलाह। 25 करोड़ क लागत स 1980 तक एकरा पूरा हेबाक छल, मुदा एहि मे एखन धरि तीन अरब रुपए खर्च भ चुकल अछि, जखनकि 30 प्रतिशत कार्य एखनो शेष अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो एहि परियोजना स्थल क वरीय अभियंता क एकटा दल क संग पिछला सप्ताह निरीक्षण केने छलाह आ एकरा शीघ्र पूरा करबाक संकेत सेहो देने छलाह। मीरा कुमार आ नीतीश कुमार क प्रयास स दुर्गावती त आब पूरा भ जाएत, मुदा पिछला 40 साल स पूर्णता क बाट ताकि रहल कोसी परियोजना पता नहि कहिया पूरा होएत। उम्मीद कैल जाए जे मिथिला क नेता सेहो दिल्ली दरबार मे एकरा लेल लामबंद हेताह।