पटना । पटना मे 245 करोड़ क लागत स नेशनल गंगा रिवर बेसिन आॅथोरिटी द्वारा स्वीकृत रिवर फ्रंट डेवलपमेंट योजना बनाउल जाएत। एकरा लेल टेंडर प्रक्रिया शुरू कैल जा रहल अछि। इ फैसला एक अणे मार्ग मे मुख्यमंत्री श्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे भेल नगर विकास विभाग क उच्चस्तरीय समीक्षा बैसार मे लेल गेल। बैसार क बाद सचिव नगर विकास विभाग डॉ एस सिद्धार्थ कहला जे एकर डिजाइन एहि प्रकार स बनाउल गेल अछि जे एहि स कलेक्ट्रियेट घाट स नौजर घाट तक 6.5 किलोमीटर लम्बाई मे मौजूद सबटा घाट क सौर्न्दीकरण भ जाएत। एहि सबटा घाट कए 20 फुट चौड़ा पाथवे स जोड़ल जाएत। एहि घाट पर मनोरंजन आ रिक्रियेसन क सुविधा मौजूद होएत। इ परियोजना देश मे एतबा लंबाई क रिवर फ्रंट डेवलपमेंट क प्रथम परियोजना होएत आ पूरा गंगा बेसिन मे एकटा रॉल मॉडल होएत। डॉ सिद्धार्थ कहला जे बैसार मे इ सेहो निर्णय लेल गेल जे पटना सहित सबटा 11 नगर निगम मे सिटी बस सर्विस क योजना बनाउल जाएतआ एकर क्रियान्वयन एकटा स्पेशल परपस वेह्किल क माध्यम स कैल जाएत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa