दरभंगा : ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय क अधिषद् क बैसार मे नगर विधायक संजय सरावगी विश्वविद्यालय प्रशासन पर गंभीर आरोप लगेलथि। श्री सरावगी कहलथि जे हुनक बेर-बेर आपत्ति कए नजरअंदाज क कामेश्वरनगर परिसर स्थित धरोहरक सौंदर्य संग छोडछाड कैल जा रहल अछि। ओ कहला जे इ परिसर हमर सबहक धरोहर छी आ एकरसंग कोनो प्रकारक छोडछाड कोनो हाल में मंजूर नहि कैल जाएत। सरावगी कहला जे अगर विश्वविद्यालय प्रशासन एहि दिस गंभीर पहल नहि करैत अछि त ओ लोकतांत्रिक तरीका स विरोध करबा लेल मजबूर भ जाएब। विधायक विश्वविद्यालय परिसर मे बनि रहल बेतरकीब भवन क स्थापत्य कला पर सवाल उठबैत कहलथि जे नव भवन कोनो नजरि स एहि परिसरक स्थापत्य कला स मेल नहि खाइत अछि। दरभंगा नहि अपितु बिहारक सिगनेचर बिल्डिंग जे दरभंगाक महाराजा क सौंदर्य बोध करबैत अछि एहि नव निर्माण स प्रभावित भ रहल अछि। ओ कहला जे परिसर मे किछु स्थान पर भवन बनेबा पर हम पिछला बैसार मे सेहो आपत्ति उठेने रहि आ तखन आश्वासन भेटल छल जे आहि ठाम कोनो भवन नहि बनत, मुदा एहन भेल नहि। ओ कहला जे अगर परिसर क सौंदर्य संग इ छेडछाड नहि रोकल गेल त लोकतांत्रिक तरीका स आंदोलन कैल जाएत आ परिसर मे भ रहल सबटा निर्माण कए जबरन रोकल जाएत। विधायक क एहि आक्रोश कए आन सदस्य सबहक सेहो समर्थन भेटल। एकर बाद कुलपति आश्वस्त केलथि जे नव निर्माण मे एहि गप क ध्यान राखल जाएत जे ओकर डिजाइन पुरान डिजाइन स मिलैत हुए आ कोनो एहन जगह पर निर्माण नहि हुए जाहि स मिथिलाक एहि धरोहर क सौंदर्य प्रभावित हुए। सिनेट क एहि बैसार मे विधायक गोपालजी ठाकुर, विधायक दुर्गा प्रसाद सिंह, विधायक डॉ. फैयाज अहमद, विनोद नारायण झा, डॉ. इजहार अहमद, रामदेव महतो, नरेन्द्र निराला, डॉ. अभेष चन्द्र झा, डॉ. दिलीप कुमार चौधरी, डॉ. बैद्यनाथ चौधरी बैजू सहित कईटा सदस्य सेहो अपन विचार रखलथि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
बहुत नीक पहल। दरभंगाक लोक कए विधायक पाछु मजबूती स ढार हेबाक चाही। क्षेत्र क अन्य विधायक आ नेता सेहो एहि मसला पर दलगत सीमा तोडि सरावगी क हाथ मजबूत करबा लेल सामने आबथु।
nik pahal
बहुत नीक पहल।