दरभंगा। नगर विधायक संजय सरावगी मिथिला क खत्म होइत धरोहर कए बचेबाक लेल अलग परिषद क मांग केलथि अछि। राज शमशान माधेश्वर परिसर क बगल मे पूर्व विधान पार्षद संजय झा क ऐक्छिक कोष स निर्मित मां श्यामा जानकी मिथिला भवन क उद्घाटन क बाद समारोह कए संबोधित करैत विधायक सरावगी कहला जे मिथिला क धरोहर कए बचेबाक प्रयास हेबाक चाही। एहि ठाम क कला आ संस्कृति क विकास लेल भ रहल काज क चर्चा करैत सरावगी कहला जे पर्यटन आ कला विभाग क संग मिथिला क विलुप्त होइत धरोहर लेल एकटा स्वायत विकास परिषद बनबाक चाही। एहि अवसर पर विधान पार्षद विनोद कुमार चौधरी कहला जे मिथिला क विकास लेल मुख्यमंत्री हरदम चिन्तित रहैत छथि। हिनक कार्यकाल मे एहि क्षेत्र मे विकास क काज देखा रहल अछि। बहादुरपुर क विधायक मदन सहनी लोकार्पित विवाह भवन क शुल्क निर्धारण मे एहि गरीब जनता कए सब्सिडी देबाक मांग केलथि। गोड़ाबौराम क्षेत्र क विधायक इजहार अहमद कहला जे मिथिला धार्मिक सम्भाव लेल आदर्श क्षेत्र रहल अछि। मिथिला क एहि संदभाव स राज्य क विकास सेहो संभव अछि। अपन अध्यक्षीय भाषण मे पूर्व विधान पार्षद संजय झा कहला जे श्री कुमारक काल मे दूभाग मे बंटल मिथिला कए भ गेल। आइ दूनू भाग क लोक लेल आवागमन क दृष्टि स एकटा सपना छल जे सच भ गेल। समारोह मे जल संसाधन मंत्री विजय कुमार चौधरी कहला जे बिहार सतत विकास क रहल अछि जा बिहार कए नित्य एहि लेल पुरस्कार भेट रहल अछि। ई हमर विकास क प्रति प्रतिबद्धता क प्रमाण छी।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर