पटना : लगभग 40 साल पुरान सपना आखिरकार जमीन पर एबा लेल तैयार अछि। शुक्रदिन पटना क गंगा क कछैर मे दीघा स दीदारगंज क बीच गंगा ड्राइव वे क महत्वकांक्षी परियोजना लेल निर्माण कंपनी तय भ गेल। कई सालक मेहनत क बाद 1950 करोड़ क सिविल कास्ट क एहि परियोजना कए नवयुगा इंजीनियरिंग कंपनी लिमिटेड 1789 करोड़ टका क सबस कम दर कोट क हासिल क लेलक। पथ निर्माण विभाग क सचिव प्रत्यय अमृत कहला जे दशहरा क आसपास पटना सिटी दिस सएहि बहुप्रतीक्षित परियोजना क कायार्रंभ होएत। करार क अनुसार चारि साल मे एहि परियोजना कए पूरा कैल जाएत।
पूर्णत: ग्रीन फील्ड प्रोजेक्ट लेल शुक्रदिन बिहार स्टेट रोड डेवलपमेंट कारपोरेशन क कान्फ्रेस हाल मे फाइनेंसियल बिड कए खोलल गेल। एहि मे चारिटा कंपनी क बीच मुकाबला छल। एफकान क बिड कए जखन खोलल गेल त ओ 2200 करोड़ टकाक दर कोट केने छल, एचसीसी स 2810.68 करोड़ आ सिंप्लेक्स 2331 करोड़ रेट रखने छल। ओतहि नवयुगा महज 1789 करोड़ मे इ परियोजना झटकबा मे सफल रहल। संगहि ओ .65 फीसद क रिबेट क उल्लेख सेहो केलक अछि। एहि हिसाब स ओ एहि परियोजना लेल 1777.372 करोड़ टका क दर कोट केने छल।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa