पटना । चुनावी वर्ष मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सनेस क पोटरी खोलि देलथि अछि। ओ नियोजित शिक्षक कए वेतनमान देबाक संगहि डॉक्टर क सेवानिवृत्ति क बैस सीमा मे सेहो दू वर्ष क बढोतरी क देलथि अछि। राज्य कैबिनेट एहि दूनू फैसलाक संगहि कुल 36टा एजेंडा कए मंजूरी द लेक अछि। मुख्यमंत्री कहला जे पंचायती राज संस्था क माध्यम स नियोजित सब प्रशिक्षित/अप्रशिक्षित, प्राथमिक, माध्यमिक, उच्च माध्यमिक विद्यालय क शिक्षक आ पुस्तकालयाध्यक्ष कए 1 जुलाई, 2015 क प्रभाव स वेतनमान देल जाएत। प्राथमिक स उच्च माध्यमिक शिक्षक कए 5200-20200 क वेतनमान भेटत। वेतनमान क संग 113 फीसदी महंगाई भत्ता आ 2000 स 2800 तक क ग्रेड पे, 200 रुपए मेडिकल आ एचआरए सेहो भेटत। नीतीश कुमार कहला जे एकरा लेल राशि आवंटित भ चुकल अछि। सरकार क फैसला स 4,05,347 शिक्षक कए लाभ होएत। सब शिक्षक आ लाइब्रेरियन यूटीआई रिटायरमेंट बेनेफिट पेंशन फंड क फायदा भेटत। अप्रशिक्षित शिक्षक कए वेतनमान त भेटत मुदा ग्रेड पे नहि भेटत। एहन शिक्षक कए प्रशिक्षित भेला पर ग्रेड पे भेटत। अप्रशिक्षित शिक्षक आ पुस्तकालयाध्यक्ष क सेवाशर्त, सेवा निरंतरता, ऐच्छिक स्थानांतरण, सेवाकालीन प्रशिक्षण, प्रोन्नति का अवसर, अनुशासनिक प्राधिकार आ अन्य सेवाशर्त क निर्धारण लेल एकटा कमेटी गठित कैल गेल अछि। इ समिति तीन माह मे अपन रिपोर्ट देत। उल्लेखनीय अछि जे बिहार मे इ एकटा पैघ राजनीतिक मुद्दा छल।
8 मार्च,13 कए तत्कालीन वित्तमंत्री सुशील मोदी एहि मसला पर कहने छलाह जे भगवान सेहो नियोजित शिक्षक कए वेतनमान नहि द सकैत छथि। मंत्रिमंडल समन्वय सचिवालय विभाग क प्रधान सचिव शिशिर सिन्हा बैसार मे लेल गेल फैसलर क जानकारी दैत कहला जे राज्य मे सब तरह क चिकित्सक क सेवानिवृति क बैस 65 साल स बढ़ाकए 67 साल करबाक प्रस्ताव कए मंत्रिमंडल अपन स्वीकृति प्रदान क दे अछि। एहि चिकित्सक मे आयुष, आयुर्वेद, यूनानी, तिब्बी आ होमियोपैथ चिकित्सक शामिल छथि। मंत्रिमंडल क एहि फैसला क लाभ राज्य मे कार्यरत करीब पांच हजार चिकित्सक कए भेटत। एकर अलावा सरकार पटना मे स्थापित भ रहल साइंस सिटी क नाम पूर्व राष्ट्रपति डॉ. एपीजे अब्दुल कलाम क नाम करबाक प्रस्ताव कए मंजूरी प्रदान केलक। संगहि किशनगंज क कृषि महाविद्यालय क नाम सेहो डॉ. कलाम क नाम पर होएत। एकर अलावा सबटा नियोजित शिक्षक, टोला सेवक, शिक्षा स्वयंसेवी, आशा कार्यकर्ता, ममता, आंगनबाड़ी सेविका, सहायिका, विद्यालय रसोईया, अनुबंध पर कार्यरत कनीय सहायक अभियंता, अनुबंध पर कार्यरत चिकित्सक, किसान सलाहकार, कृषि समन्वयक, डाटा इन्ट्री आपरेटर, कार्यपालक सहायक आ आईटी मैनेजर क सेवा अवधि क दौरान मृत्यु भेला पर ओकर निकटतम आश्रित कए चार लाख क अनुग्रह अनुदान देबाक प्रस्ताव मंजूर भेल। किसान सलाहकार क मानदेय मे दू हजार जखनकि टोला सेवक आ शिक्षा स्वयंसेवी क मानदेय मे तीन हजार क वृद्धि कैल गेल अछि। टोला सेवक आ शिक्षा स्वयंसेवी क सेवा आ सामाजिक उत्थान स संबंधित कार्यं लेल आब 60 वर्ष क आयु तक काज लेल जायत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa