पटना । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जन साधारण मे झाडालय क प्रति जारूकता सुनिश्चित करबा लेल पंचायती राज अधिनियम मे संशोधन करबाक घोषणा केलथि अछि। संशोधनक बाद जिनकर घर मे झाडालय नहि होएत ओहन घर क सदस्य आब नगर निकाय आ पंचायत क चुनाव नहि लडि सकताह। देश कए कईटा अदभुत सोच द चुकल बिहार एक बेर फेर सूचता लेल देश कए बाट देखेलक अछि। अगर इ संशोधन भ जाइत अछि त बिहार एहन पहिल राज्य बनि जाएत जाहि ठाम नेतागीरी लेल घर मे रहब झाडालय अनिवार्य होएत। मुख्यमंत्री सब सरकारी सेवक, सक्षम लोक आ सरकार स जुड़ल लोक स तीन मास क भीतर अपन अपन घर मे झाडालय क निर्माण करेबाक अनुरोध केलथि अछि। ज्ञात हुए जे केन्द्र सरकार जनगणना क आधार पर राज्य मे एक करोड़ 11 लाख ग्रामीण परिवार लेल झाडालय बनेबाक लक्ष्य रखलक अछि। हालांकि राज्य सरकार कए पारिवारिक सर्वेक्षण मे दू करोड़ 19 लाख शौचालय विहिन परिवार भेटल अछि। राज्य सरकार केन्द्र कए एकटा प्रस्ताव पठेलक अछि जाहि मे एकरा संशोधित क दू करोड़ 19 लाख झाडालय विहिन परिवार कए जोड़बाक मांग केलक अछि। मुख्यमंत्री कहला जे राज्य मे झाडालय निर्माण लेल सरकार प्रयास क रहल अछि। राज्य क प्रत्येक पंचायत मे ब्रिज फंड क स्थापना कैल जाएत। एहि फंड मे दू लाख टका क राशि देल जाएत। एहि राशि स मनरेगा क संग उपयोग क ग्राम पंचायत सब मे झाडालय निर्माण करत। ओ कहला जे झाडालय निर्माण लेल ब्रिज फंड स लाभार्थि कए टका देल जाएत आ जखन झाडालय क निर्माण कार्य पूरा भ जाएत त निर्मल भारत अभियान स प्राप्त राशि कए ब्रिज फंड मे द देल जाएत। ब्रिज फंड स चक्रिय क्रम मे पंचायत सब परिवार कए आच्छादित क सकत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
“Bihar ke sab parivar me jharalay hebak chahi… hum sarakar ke prayas sa bahut khush chhee, swachh vatavaran aa saf-suthra rakhbak jimmedari humar sabhak bhagidari banait achhi…