पटना : राजधानी क बिजली आपूर्ति कए फ्रेंचाइजी पर लेबा मे कोनो कंपनी रूचि नहि देखा रहल अछि। बिहार स्टेट पावर होल्डिंग कंपन फ्रेंचाइजी लेल किछु एहन शर्त रखने अछि जाहि कारण स कोनो कंपनी निविदा तक नहि देलक अछि। मजबूरन निविदा क अंतिम तिथि 28 अगस्त स बढ़ा कए 17 सितम्बर क देल गेल अछि।
विद्युत कंपनी पटना क फ्रेंचाइजी एहन कंपनी कए दिय चाहैत अछि जेकरा लग पहिने स एहन काज क अनुभव होई। एखन देश में केवल इलेक्ट्रिक सप्लाई कंपनी, कोलकाता में एनडीपीएल आ नयी दिल्ली में बीएसइएस/ रिलायंस पावर/ टाटा पावर/ जीपीएसपी/ टवरेंट पावर लग फ्रेंचाइजी क अनुभव अछि। एहि बेर एहन कोनो कंवनी निविदा मे भाग नहि लेलक अछि। कंपनी अपन शर्त पर बिजली आपूर्ति लेबा लेल दबाव बना रहल अछि। फिलहाल बिहार क अधिकारी अपन गप पर कायम छथि। देश क मात्र आधा दर्जन कंपनी लग बिजली आपूर्ति संचालित करबाक अनुभव अछि। पटना कए बिजली व्यवस्था कए फ्रेंचाइजी पर देबाक प्रक्रिया वर्ष 2009 स चलि रहल अछि। एकरा लेल एखन धरि चारि बेर प्रक्रिया शुरू भेल। तीन बेर कंपनी तक तय भ गेल, मुदा अंतिम समय मे गप बिगड़ि गेल। एहि बेर त निविदा स आगू गप नहि बढि सकल। एहि साल जनवरी स मुंबई क एस्सार पावर कए पटना क बिजली आपूर्ति व्यवस्था फ्रेंचाइजी पर भेटल छल। एस्सार कंपनी अपन बिजली अनबा लेल सरकार पर दबाव द रहल छल। मतभेद एतबा बढल जे सरकार अपन फैसला घुरा लेलक। एतबे नहि एस्सार क 50 लाख सिक्योरिटी मनी सेहो सरकार जब्त क लेलक। जेकर खिलाफ कंपनी अदालत क दुहारि खटखटा चुकल अछि। इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa