पटना। बहुत जल्द पटना क बाट पर महिला कए आटो रिक्शा चलबैत अहां देख सकैत छी। सरकारक प्रयास देर स सही मुदा रंग देखा रहल अछि। महिला कए स्वावलंबी आ आर्थिक रूप स मजबूत करबा लेल पुरुष वर्चस्व क एकटा आर क्षेत्र हुनका लेल खोलबाक तैयारी पूरा भ गेल अछि। बहुत शीघ्र राजधानी क सड़क पर महिला ड्राइवर आटो चलबैत भेट जेतीह । वेटनरी कालेज परिसर मे एक मई स शुरू भेल प्रशिक्षण शिविर मे पहिने त कोनो महिला शामिल नहि भेलीह, मुदा धीरे-धीरे जागृति आयल आ आब ओहि ठाम 10टा महिला आटो चलेबाक प्रशिक्षण ल रहल छथि । इ प्रशिक्षण सप्ताह मे तीन दिन बुध, शनि आ रवि कए देल जाइत अछि ।
बिहार स्टेट आटो रिक्शा चालक संघ आ पटना जिला आटो रिक्शा चालक संघ पहिल बेर बिहार मे एहि प्रकारक शिविर क आयोजन केलक अछि । यदि कोनो युवती बा महिला एहि मे शामिल हेबाक छथि त पटना जंक्शन पर स्थित प्री-पेड बूथ पर संपर्क क सकैत छथि । प्रशिक्षित महिला कए बैंक द्वारा आटो लोन सेहो तत्काल देल जाएत । प्रथम चरण मे महिला चालक पटना जंक्शन प्री-पेड आटो बूथ स रिजर्व आटो चलेतीह। महिला ऑटो पर पुरुष केवल परिवारक संग यात्रा क सकैत छथि । असगर पुरुष एहि पर यात्रा नहि क सकैत छथि, संगहि सांझ क बाद एकर परिचालन नहि होएत। पटनाक महिला यात्री लेल इ वरदान साबित होएत।
प्रशिक्षण मे शामिल महिला क उत्साह देखबा योग्य अछि। आटो रिक्शा चालक संघ क राजकुमार झाक कहब अछि जे मुफ्त मे इ प्रशिक्षण देल जा रहल अछि । आटो आ ईधन क इंतजाम चालक संघ केलक अछि। संगठन क महासचिव राजकुमार झा कहला जे एक मास प्रशिक्षण देलाक बाद हिनका सब कए लर्निग लाइसेंस लेल अधिकारी क समक्ष प्रस्तुत कैल जाएत, ताकि हिनका कमर्शियल लाइसेंस भेट सकए ।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa