पटना : कोसी क्षेत्र मे राहत क 467 करोड़ टका मार्च 2012 तक बिना उपयोग क पड़ल रही गेल। एतबे नहि पीड़ित क बीच आजीविका कअवसर बढेबा लेल भेटल 65 करोड़ क राशि मे स 53.86 करोड़ टका एखनो बैंक क शोभा बढा रहल अछि। भारत क नियंत्रक महालेखा परीक्षक (सीएजी) क मंगलदिन विधानमंडल मे पेश रिपोर्ट मे एकर खुलासा कैल गेल अछि।
रिपोर्ट मे कहल गेल अछि जे -‘कोसी बाढ़ बचाव परियोजना क क्रियान्वयन युद्धस्तर पर कैल जेबाक छल्ल मुदा ओकर क्रियान्वयन मे लापरवाही देखल गेल।’ रिपोर्ट क अनुसार आपदा बचाव आ भविष्य क जोखिम कम करबा क प्रयास क तहत जुलाई 2010 मे बिहार आपदा पुनर्वास आ पुननिर्माण समिति क गठन कैल गेल छल। समिति सर्वाधिक प्रभावित सहरसा, सुपौल आ मधेपुरा क बीड़ा उठेने छल। वर्ष 2010-12 क बीच योजना आ विकास विभाग 575.19 करोड़ क अनुदान देने छल। मार्च 2012 तक अनुदान राशि क इस्तेमाल करबाक छल, मुदा मार्च 12 तक एहि मे स 467.81 करोड़ क राशि क इस्तेमाल तक नहि भेल। ‘जीविका’, कोसी बाढ़ बचाव परियोजना क तहत आजीविका लेल कार्यान्वयन एजेंसी छल। एकर उद्देश्य सामाजिक आ आर्थिक पूंजी क निर्माण आ प्रभावित लोक लेल आजीविका क अवसर कए बढेबाक छल। वर्ष 2010-12 क दौरान जीविका 65 करोड़ क अनुदान बीएपीईपीएस आर योजना आ विकास विभाग स प्राप्त कैल मुदा एहि राशि मे सेहो महज 11.30 करोड़ क उपयोग भेल अछि। मार्च 2012 तक 53.86 करोड़ बैंक खाता मे पडल रहल।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर