पटना। नगर विकास आ आवास मंत्री प्रेम कुमार अधिकारी सब कए साफ तौर पर कहला अछि जे बहुत भेल आ एहि लेल बाट नहि ताकब। आखिर 28टा शहर क सिटी डेवलपमेंट प्लान कहिया तक तैयार करैत रहब। हमरा कोनो हाल मे एहि साल मार्च तक प्लान तैयार चाही। डीएफआईडी (डिपार्टमेंट फार इंटरनेशनल डेवलपमेंट, इंग्लैंड) क मदद स एहि शहर मे स्पर (सपोर्ट प्रोग्राम फार अरबन रिफार्म्स) कार्यक्रम क तहत विकास क काज हेबाक अछि। नगर विकास मंत्री एकरा लेल तैयार कैल जा रहल योजना क विभाग क प्रधान सचिव, सबटा कंसलटेंट, विभाग क विशेष सचिव आ स्पर क अधिकारी सबहक संग समीक्षा सेहो केलथि। मंत्री क अनुसार सीडीपी (सिटी डेवलपमेंट प्लान) क रूपरेखा तैयार भेलाक बाद विस्तृत परियोजना प्रतिवेदन तैयार करि कार्यान्वयन क लेल जेबाक अछि। एहि स शहर क मूलभत सुविधा मे काफी सुधार होएत। सीडीपी क तैयारी क क्रम मे मास्टर प्लान, जल उपचार संयंत्र क निर्माण आ जल संरक्षण, पूरा शहर आओर निकट क ग्रामीण इलाका-जे असगर 20 साल मे शहर मे शामिल भ सकैत अछि क लेल पेयजलापूर्ति नेटवर्क, सिवेज नेटवर्क, औद्योगिक प्रयोजन क लेल पानी क आपूर्ति, सार्वजनिक शौचालय, शहरी जल निकासी क योजना, वर्षा जल संरक्षण, मौजूदा सड़क क कात मे नाली क निर्माण, कचरा प्रबंधन, सड़क क चौड़ीकरण, स्ट्रीट लाइट, चौराहा क सौंदर्यीकरण सहित सिग्नल क व्यवस्था, परिवहन विकास, आटो-टैक्सी स्टैण्ड क विकास सन योजना पर विचार करि ओकरा समावेश कैल जाएत।