जयपुर। जेकेलोन हास्पिटल मे ‘दरभंगाक दामिनी’ क इलाज क रहल डाक्टर क कहब अछि जे इ मामला बहुत हद तक दिल्ली क दामिनी स मिलैत-जुलैत अछि, ओना दिल्ली क दामिनी जेकां दरभंगाक दामिनी कए आंत क्षतिग्रस्त नहि अछि। डाक्टर क परेशानी एहि पर अछि जे दरभंगा क दामिनी क आंखि मे संक्रमण बढि रहल अछि। अगिला सप्ताह ओकर 13म पैघ आपरेशन हेबाक अछि। जेकेलोन हास्पिटल क डा.एलडी अग्रवाल क कहब अछि जे केवल बाहर आबि चुकल आंत (इंटेस्टाइन) कए मामला हटा दी त दरभंगाक दामिनी क घाव ‘दिल्ली क दामिनी’ स बेसी गहीर, विस्तारित आ सघन अछि। हम सब बड मशक्कत आ अरमान क संग एकरा बचेबा मे लागल छी। ओतहि डा.एलसी शर्मा क कहब अछि जे हमरा सबहक सामने सबस पैघ चुनौती ‘दरभंगा क दामिनी’ कए संक्रमण स बचेबाक छल। एहि क्रम मे हम सब एखन धरि 12टा छोट-पैघ आपरेशन क चुकल छी। तीन स पांचटा डाक्टर क टीम ओकर आसपास 24 घंटा मौजूद रहैत अछि।
आंदोलन रहत जारी : नसीमा
जयपुर/नई दिल्ली। पूरा देश क संगहि जयपुर मे सेहो दरभंगाक दामिनी लेल जोरदार प्रदर्शन भेल। जेकेलोन हास्पिटल क मुख्य गेट पर जयपुर क आम लोक धरना देलथि। मुजफ्फरपुर स गेल ‘अहिंसा फांउडेशन’ क अध्यक्ष नसीमा खातून सेहो जयपुर मे एहि आंदोलन मे शामिल भेलीह। नसीमा कहलथि जे राजस्थान मे आखिर कौन सरकार अछि आ कौन पुलिस अछि जे 130 दिन बाद दुष्कर्म क कईटा आरोपी कए पकडि नहि सकल अछि। ओ कहलथि जे जा धरि आरोपी क गिरफ्तारी नहि भ जाइत अछि आगू क गप क कैल जाए। राजस्थान क मुख्यमंत्री अशोक गहलोत एहि घोषणा पर जे एहि मामला क सुनवाई फास्ट ट्रैक कोर्ट मे कैल जाएत। नसीमा कहलथि जे गलहोत कौन मुंह स एकर सुनवाई फास्ट कोर्ट मे करेबाक दावा क रहल अछि जे सरकार आरोपी कए पकडबा मे विफल अछि ओकर सुनवाई पर बयान देबाक कोनो मतलब नहि अछि इ बस खानापूर्ति छी।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर