• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार क विकास रोकनिहार मोदी प्रेमी!

April 16, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

कोनो आन शहर मे नहि आब पटना मे खुलत पशु एवं मत्स्य चिकित्सा विश्वविद्यालय

पटना । पशु एवं मत्स्य संसाधन मंत्री गिरिराज सिंह क नजरि मे गुजरात लेल त बहुत किछु अछि मुदा गोपालगंज सन बिहार क शहर लेल हुनक नजरि मे कोनो भाव नहि। मोदी प्रेम हुनका लेल सबस पैघ भ गेल अछि। चाहे ओ नरेंद्र मोदी होइथि बा सुशील मोदी। गिरिराज हुनकर नीति कए आगू बढेÞबा लेल ककरो संग अन्याय क सकैत छथि। बिहार क हित स बेसी गुजरात क मोदी क चिंता करनिहार गिरिराज सिंह बिहार क सुशील मोदी क पटनियां नीति कए सेहो लागू करबा लेल आतुर भ गेलाह अछि। लखिसराय क रहनिहार गिरिराज सिंह ओना त चुनाव नहि लडैत छथि मुदा हुनका सेहो आब बिहार मे पैघ संस्थान लेल पटना स आगू कोनो शहर नहि देखा पडैत अछि। गिरिराज सिंह आब नीतीशक समग्र विकास क नीति क सेहो विरोध करबा लेल डेग बढा देलथि अछि। नीतीश क विरोध क चक्कर मे आइ गिरिराज केवल गुजरात लेल बिहार कए नजरअंदाज टा नहि क रहल छथि, बल्कि पटना क सामने ओ गोपालगंज सन बिहार क आन शहर कए उपेक्षित करब शुरू क देलथि अछि। ओ सुशील मोदी क सब किछु पटना मे बना देबाक नीति पर अमल करबा मे जुटि गेलाह अछि। एकर ताजा प्रमाण अछि बिहार मे प्रस्तावित पहिल पशु एवं मत्स्य चिकित्सा विश्वविद्यालय क स्थापना। गौशाला आ पोखरि स संपन्न मिथिला क्षेत्र लेल पशु एवं मत्स्य चिकित्सा विश्वविद्यालय क मांग होइत रहल अछि। एकर बावजूद पिछला मास बजट सत्र मे सरकार सदन मे घोषणा केलक जे राज्यक पहिल पशु एवं मत्स्य चिकित्सा विश्वविद्यालय गोपालगंज मे खोलल जाएत। गोपालगंज मे कोनो पैघ संस्थान क अभाव रहल अछि ताहि लेल एहि निर्णय क स्वागत कैल गेल। मुदा सब किछु पटना मे बना देबाक मोदीक नीति पर आगू बढैÞत पशु एवं मत्स्य संसाधन मंत्री गिरिराज सिंह आब इ संस्थान सेहो पटना मे खोलबाक घोषणा क देलथि अछि। गिरिराज सिंह क एहि निर्णय पर एतबा कहल जा सकैत अछि जे शुक्र मनाउ जे ओ इ संस्थान गुजरात मे खोलबाक घोषणा नहि केलथि। बिहार क समग्र विकास क दावा केनिहार नीतीश सरकारक मंत्री गिरिराज सिंह अपन फैसला कए सही कहैत दावा करैत छथि जे पशु एवं मत्स्य विश्वविद्यालय क पटना मे स्थापना लेल अगिला मानसून सत्र मे विधेयक सेहो आनल जाएत। गिरिराज सिंह क लेल गोपालगंज या मधुबनी नरेंद्र मोदी जेकां अभिमान स जुडल मसला नहि अछि। एहि मामला मे ओ दोसर मोदी क संग छथि। मोदी क नीति रहल अछि जे किछु भ जाए राजधानी पटना मे सबटा पैघ संस्थान खुलबाक चाही। तमिलनाडु क तर्ज पर उच्चस्तरीय पशु एवं मत्स्य चिकित्सा विश्वविद्यालय क स्थापना क योजना बहुत पुरान अछि। मंत्री कहला जे वेटनरी कालेज, एलआरएस, सीमेन बैंक, कैट्ल ब्रीडिंग सेंटर, संजय गांधी डेयरी टेक्नोलॉजी आ अन्य रिसर्च सेंटर कए मिलाकए कुल डेढ़ सौ एकड़ भूमि क रकवा पटना मे उपलब्ध अछि। एहि दृष्टि स पशु एवं मत्स्य चिकित्सा विश्वविद्यालय क स्थापना पटना मे कैल जाएत आ सबटा संस्थान विश्वविद्यालय कैंपस मे राखल जाएत। फिलहाल विश्वविद्यालय क स्थापना लेल वेटनरी कॉलेज इलाका क डेमोग्राफी कराउल जा रहल अछि। विश्वविद्यालय क स्थापना लेल जमीन की जरूरत भेला पर राजधानी पटना लग जमीन ताकल जाएत आ ओकर अधिग्रहण क कार्रवाई कैल जाएत। श्री सिंह क अनुसार पशु पालन क प्रति किसान कए प्रोत्साहित करबा लेल पायलट प्रोजेक्ट क रूप मे राज्य क दसटा जिला नालंदा, भोजपुर, गया, सारण, वैशाली, समस्तीपुर, पटना, रोहतास, बेगूसराय आ मुजफ्फरपुर मे पशु बीमा योजना शुरू कैल गेल अछि। सरकार क कोशिश अगिला पांच साल मे एहि योजना कए सब जिला मे शुरू करबाक अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

जलजमाव पर भेल दरभंगा मे एतिहासिक बैसार

Esamaad Epaper Website

जर्जर हवाई अड्डा क सौंदर्यीकरण मे जुटल बिहार

Esamaad Epaper Website

कचरा प्रोसेसिंग प्लांट लेल आवेदन करू 30 तक

Comments 1

  1. Ashish says:
    12 years ago

    Vikash…karne ke liye nitish jee ko…hamara samarthn h…lekin…jaha v desh dharm ki baat hogi…ye hme apne jaan se pyara h………jai bhawani…

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि