• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार केलक कर्ज सीमा बढेबाक मांग

March 12, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। बिहार क आर्थिक स्थिति आब पहिने स बेहतर अछि, मुदा बिहारक औकात एखनो पहिने जेकां अछि। आजुक युग मे कर्ज औकात देख कए देल जाइत अछि ताहि लेल बिहार सेहो अपन औकात बढेबाक मांग तेज क देलक अछि। राज्य सरकार केंद्र स बिहार कए राजकोषीय उत्तरदायित्व आ बजट प्रबंधन (एफआरबीएम) कानून मे रियायत देबाक मांग केलक अछि। बिहार सन राज्‍य मे विकास खर्च मे बढोतरी लेल इ छूट भेटब बहुत जरूरी अछि। इ छूट भेटलाक बाद सरकार अपन कर्ज लेबाक सीमा कए बढा सकत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार हालहि मे अपन नई दिल्ली प्रवास मे इ मामला उठेलथि अछि। ओ एहि मसला पर योजना आयोग क उपाध्यक्ष मोटेंक सिंह अहलूवालिया स गप केलथि अछि। ओ कहला जे राज्य क प्रति व्यक्ति आय एखनो करीब 16 हजार टका अछि। इ राष्ट्रीय औसत क महज 39 फीसदी अछि। बिहार राष्ट्रीय औसत तक पहुंचबाक कोशिश क रहल अछि। आ इ कोशिश बिना केंद्र क मदद कए सफल नहि होएत। मुख्‍यमंत्री क अनुसार बिहार क आर्थिक स्थिति पहिने स काफी नीक अछि। एहन मे बिहार कए कर्ज लेबाक स्थिति सेहो नीक भ चुकल अछि मुदा एफआरबीएम कानून क कारण स बिहार एक सीमा स बेसी कर्ज नहि ल सकैत अछि आ इ सीमा पहिलका आर्थिक हालात देख कए तय कैल गेल अछि। ओ कहला जे केंद्र कए देखबाक चाहि जे एखनो प्रति व्यक्ति विकास व्यय क मामला मे बिहार देश मे सबस पाछु अछि। एहन मे केंद्र सरकार स बिहार सन पिछड़ल, मुदा वित्तीय रूप स मजबूत राज्‍य लेल राजकोषीय घाटा क सीमा कए 5 फीसदी करबाक अनुमति मांगल गेल अछि। एखन एफआरबीएम कानून क अनुसार बिहार सरकार क राजकोषीय घाटा 3 फीसदी स बेसी नहि भ सकैत अछि।
ज्ञात हुए जे राज्य सरकार पिछला किछु साल स राजस्व आधिक्य (रेवेन्यू सरप्लस) बजट आनि रहल अछि। एकर मतलब अछि जे सरकार लग अपन खर्च कए पूरा करबाक क्षमता अछि। संगहि सरकार लगातार 6 साल स राजकोषीय घाटा कए 3 फीसदी क सीमा मे रखबाक मे सफल भेल अछि। चालू वित्त वर्ष मे राजकोषीय घाटा करीब 2.43 फीसदी रहबाक अनुमान अछि। इ बिहार सन राज्‍य लेल नीक वित्तीय प्रबंधन कहल जा सकैत अछि। मुदा एहि सबहक बावजूद राज्य मे प्रति व्यक्ति विकास व्यय पिछला वित्त वर्ष मे करीब 3,500 टका छल। ओना 10 साल पहिने इ महज 930 टका छल। ऐना देखल जाए त राज्‍य सरकार काफी बढोतरी केलक अछि मुदा विकास क मामला मे बिहार एखनो देश मे सबस पाछु अछि।
मुख्‍यमंत्री कहला जे बिहार आब वित्तीय रूप स अनुशासित राज्य अछि। बिहार मे राजकोषीय घाटा 3 फीसदी स कम अछि। संगहि राज्‍य सरकार अपन स्रोत स कमाई मे बढोतरी क रहल अछि। बिहार बाजार स बेसी कर्ज लेबाक स्थिति मे अछि, मुदा एफआरबीएम कानून एहि मार्ग मे बाधा द रहल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे एहि बंधन क कारण स राज्य सरकार कए विकास कार्य लेल पूंजी जुटेबा मे दिक्कत भ रहल अछि। अगर बिहार क मांग केंद्र मानि लैत अछि त बिहार सरकार बाजार स बेसी ऋण हासिल क सकत, जाहि स राज्य सरकार तेजी स राज्‍यक विकास क सकत।

Tags: Biharmithilanitish

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

सिब्‍बल क जिद पर भडकल बिहार कांग्रेस

Esamaad Epaper Website

यात्री किराया बढल, माल भाडा यथावत

Esamaad Epaper Website

सदन मे गूंजल दरभंगा क उपेक्षा क मुद्दा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि