नई दिल्ली। अन्तरराष्ट्रिय मैथिली परिषद् मिथिलाक सबस पुरान डीह समेत समस्त धरोहरक रक्षाक लेल सक्रिय भ गेल अछि। एहि संबंध मे परिषद क एकटा महत्वपूर्ण बैसार प्रसिद्ध लोक कवि श्री सियाराम झा ‘सरस’ क अध्यक्षता मे भेल। रांची मे भेल एहि बैसार मे मिथिलाक समस्त धरोहर कए बचेबा क संकल्प लेल गेल संगहि महाराजा महेश ठाकुरक 400 साल पुरान डीह कए बचेबा लेल पीआईएल दायर करबाक निर्णय लेल गेल। बैसार क जानकारी दैत परिषद क सचिव डा धनाकर ठाकुर कहला अछि जे परिषद मिथिलाक धरोहर बचेबा लेल पीआईएल दायर करबाक प्रक्रिया शुरू करत। ओ कहला जे एखन धरि भैडागढी बेचबाक कोनो कागजी प्रमाण हाथ नहि लागल अछि संगहि भौडागढी मे कोनो प्रकारक निर्माण या तोडफोड शुरू नहि भेल अछि ताहि लेल पीआइएल दायर करबा मे तकनीकी रूप स दिक्कत भ रहल अछि। जखने कागजात हाथ आउत या ओहि ठाम कोनो प्रकारक काज शुरू होएत परिषद कोर्ट मे पीआइएल दायर करत आ एहि धरोहर कए बचेबाक प्रयास करत। अन्तरराष्ट्रिय मैथिली परिषद्क अलावा बहुत रास आओर संस्था एहि दिस गंभीरता स नजरि रखने अछि। मिथिला क बुद्धिजीवी सबहक सेहो कहब अछि जे भौडागढी सन डीह ककरो व्यक्तिगत संपत्ति नहि भ सकैत अछि इ त समाज क धरोहर छी। दोसर जे न्यास संपत्ति कए देखभाल लेल बनाउल गेल छल, मुदा न्यास पिछला 40 साल स एना व्यवहार क रहल अछि जेना ओकर गठन संपत्ति बेचबा लेल कैल गेल हुए। लोक क साफ कहब अछि जे भौडागढी महेश ठाकुर क डही छी आ इ मिथिलाक संपत्ति अछि। एकरा बेचबाक अधिकार ककरो लग नहि भ सकैत अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna
“Save Voura Garh” – E-Samad & AMP, Thank you for highlighting this issue and consulting legal experts to save it. If we do not do anything to save it, our children would not forgive us for our inaction. Dr. Dhanakar Thakur is a dedicated Mithila activist. I appeal to all fellow Biharis and Indians to come forward and support preservation of all Indian historical landmarks for us and for our future generations. I am surprised at Chief Minister’s silence on this issue. Does he consider Madhubani a part of Bihar? What is he doing to stop crime like this in Bihar, which affects all Indians. Bihar State government should immediately take over this landmark building and preserve it. This will be a perfect place for Mithila Art Museum, as this Mithila Art is gaining fame all over the world. Putting two of them together for tourism, would mean a great source of tourist revenue for Bihar. I hope our CM is getting e-Samad posts in email, just like we get it anywhere in the world. If he does not do anything, we should keep this in mind at the time of next upcoming elections of 2014 and 2015.