• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मगध देखलक मिथि‍ला क लोक रंग

March 4, 2014
in समाचार
A A

1743476_10201389889691546_1098359487_nराग पटना द्वारा आयोजित चारिम शशि‍ भूषण स्मृति नाट्य उत्सव क पहिल दिन मैथि‍ली क नाम रहल ।  पहिल दिनक शुरूआत भेल मैथि‍ली क चर्चित नाटककार रामेश्वर प्रेम लिखि‍त नाटक ‘जल डमरू बाजे’ क मंचन स । एहि नाटकक मंचन करनिहार संस्था छल दिल्ली क बहुचर्चित आ पिछला कैक साल मैथिली क दिल्ली में जिया क रखनिहार मिथि‍ला क नाट्य संस्था मैथि‍ली लोक रंग ( मैलोरंग ) ।

कार्यक्रम क शुरूवात श्री रामेश्वर प्रेम कए तृतीय शशि‍भूषण स्मृति नाट्य लेखन सम्मान स सम्मानित कए क भेल । निर्मली, बिहार मे जनमल रामेश्वर प्रेम हिन्दी क सर्वाधि‍क चर्चित नाटकार मे स एक छथि । रामेश्वर जी साहित्य क विविध विधा मे रचनात्मक योगदान देने छथि‍,  खास कए क अपन नाट्य लेखन स साहित्य आ रंगमंच दूनू कए समृद्ध केने छथि‍ ।

मैलोरंग क सर्वाधि‍क प्रिय नाटक मे स एक ‘जल डमरू बाजे’ मिथि‍लांचल क बाढि़क विभीषि‍का पर ओतुका लोगक आर्तनाद पर आधारित अछि । मिथि‍लांचल क संपूर्ण भू-भाग प्रलयंकारी बाढि़क साले साल सामना करैत अछि । लोग अपन-अपन नेता वा राजकीय प्रशासक क आश्‍वासन पर एहि तरहे भरोसा करैत अछि कि हुनका बिना एहि प्राकृतिक विपदा स कियो आन निजात नहिं दिया सकैत अछि । आइयो मिथि‍ला क सेह हाल अछि ।

भुखला क रूप मे दूल्हा बनल मुकेश आ कनिया क रूप मे भुखली बनल नीरा झा अपन एकमात्र बच्चा लए क बाढि़ मे टौआएत एकटा बाढ़ राहत प्लेटफार्म पर आसरा लैत अछि । भुखला शब्दभेदी बर्छी चलेबा मे माहिर छल ।  हुनका इ आश छल कि ओ माछ पकड़त आ दू दिन से भुखल भुखली कए माछ खुआएत । मुदा एहन नहि भए पाबैत अछि । एकटा राति पानि मे माछक चक्कर मे ओ अपन बच्चा पर जेकि अनचोक्के मे पानि मे खसि जाएत अछि पर बर्छी चला दैत अछि । ओ बुझैत अछि जे बड़का माछ पकड़ाएल अछि जे भुखली क पेट भरत आ हुनकर स्तन दुध आएत जाहि से हुनकर बच्चाक प्राण सेहो बचि जाएत । मुदा भोरका इजोत मे हुनकर इ भ्रम दूर भए जाएत अछि । अपन बच्चाक खुनमा-खुन देखि‍ भुखली सेहो अपन प्राण त्याग देति अछि ।

बाढि़क विभीषि‍का पर मनुखक जीवित रहबाक एक चुटकी आश कए जीवंत करबाक काज केलक मुकेश झा, नीरा झा, अनिल मिश्रा, वंदना, प्रवीण कुमार, सत्यकेति मिश्रा, राजीव रंजन, संतोष झा, अमरजीत राय, नेहा वर्मा आ विपुल जेहन कलाकार । मैलोरंग माजल कलाकार अभि‍नय नाटक मे चारि चांद लगा देलक । ओतहि प्रकाश व्यवस्था दर्शकक मोन मे किछु छोभ उत्पन्न केलक । किछु जगह पर प्रकाश एकदम समझ से बाहर छल । संगे हॉल क ध्वनी सेहो मोन क उदास केलक । संवाद क स्वर नीक जेंका दर्शक तक नहिं पहुंचि रहल । ध्वनी आ प्रकाश व्यवस्था क हाल इ छल जे कलाकार कए ध्वनी आ प्रकाश क अनुसार अपना आप में एडजस्ट करबा में बड़ मशक्कत करय पड़ल । जेना भुखली कए भुखला क बर्छी चलेला क बाद मंच पर स बच्चा क पानि में खसेनाय । कैकटा दृश्य में कलाकारक तैयार होए स पहिने मंच कए प्रकाशित कए देल गेल छल । मैलोरंग क एहि पर सेहो काज करय पड़त । ओना एहि मे स्पष्ट रुप से हॉल क दोष छल मुदा मैलोरंग एहन संस्था कए हॉल क निरीक्षण आ ओहि अनुसार ध्वनी संयोजन सेहो करबाक जरूरत छल ।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

एहि सबहक बादो नाटक पटना क दर्शक पर अपन छाप छोड़बा मे सफल रहल । पटनाक दर्शकक थोपड़ी आ स्नेह हमरा जानिते मैलोरंग क हृदय में बसि‍ गेल हेतय । कार्यक्रम क अंत मे मैलोरंग क निर्देशक प्रकाश झा जी कए राग, पटना दिस स चतुर्थ शशि‍भूषण स्मृति चिन्ह प्रदान कएल गेल । एहि अवसर पर प्रसिद्द कवि श्री अरूण कमल, कथाकार व नाटकार श्री हृषीकेश सुलभ वा वरिष्ट रंग समीक्षक श्री अजीत राय आदि उपस्थ‍ित छलाह ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa, Mailorang

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmailorangmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

उद्योग लेल बिहार बनल छठम पसंद

Esamaad Epaper Website

"चम्पारण टॉकीज" बनाउत मैथिली फिल्‍म

Esamaad Epaper Website

तखन वोट चला पहुंचब दरभंगा स लहेरियासराय

Comments 3

  1. Rajiv Kumar says:
    11 years ago

    bahut badhiyan lagal ie jane ka ki magadh me maithalik natya prastooti bhel

    Reply
  2. Anup Satyanarayan Jha says:
    11 years ago

    यु पी बिहारक होली ……..

    रंग बिरंगा चुनावी होली देखु
    के थिक पप्पु के थिक फेकु

    कमल लवने मोदी एलाह
    हाथ देखावैत राहुल निकललाह

    रौद में लालटेन लालू जड़ेलाह
    बिना धनुखक नितिश तिर चलेलाह

    लोजपा थिक घरक पार्टी घरे में दोकान
    रामविलास रामचन्द्र आ चिराग पासवान

    साईकिल हाँकैत मुलायम पछुएला
    मायाक गजराज जंगल पड़ेलाह

    अमर सिंह धेला अजितक दलान
    जयाप्रदा बिसरली मुलायमक नाम

    जोगिरा सारा रा रा …………….

    Reply
  3. Anup Satyanarayan Jha says:
    11 years ago

    आंध्रक होली …………..

    चंद्रबाबु किरन KCR आओर जगन
    सिमांध्र तेलंगाना में सब मगन

    नबका पार्टी खोललाह पवन
    रामाराव लेताह फेर जनम

    कांग्रेस भाजपाक हाल नञि पुछु
    दुनुक हाल बेहाल से बुझु ।
    जोगिरा सारा रा ……..,……

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि