• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

महानगरमे नारीक अस्मिता सुरक्षित नहि

January 4, 2014
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

भाष्कर झा

कोलकाता : मध्यमग्राम (प.बँगाल) मे मिथिलाक बेटीक संग घटित सामूहिक बलात्कारक मामला राजनीतिक रंगमे रंगलासं दिनानुदिन गंभीर रुप लय रहल अछि, ठीक ओहिना जेनाकि दिल्लीक दामिनी मामला। ममता’क माँ -माटी-मानुषक उद्घोष सं अनुकम्पित बंग भूमिसं मानवताक प्रति ममता, “माय”क प्रति सम्मान, “माटि” मटियामेट आ “मानुष” भाव कलुषित भ’ गेल अछि। पार्क स्ट्रीट बलात्कार काण्ड, कुमुदिनी कान्ड आ आब मिथिला क बेटी बलात्कार काण्ड सं बंग धरती कलंकित भ गेल। सूत्रक मुताबिक एहि मामलामे प्रशासनिक चुप्पी असहयोगक मौन स्वीकारोक्ति बुझना जा रहल अछि। अतबेटा नहिं, हर स्तर पर एहि मुद्दाके दबेबाक खूब कुचेष्टा कएल जा रहल अछि। पीड़िताक परिवारके न्याया दियबबला आ बगलमे ठार रहयबला लोक किछु दबंग लोकक कोपभाजन बन पड़ी रहल छनि। 16 वर्षीय मिथिला क बेटी संग दू महिना पहिने सात दुष्कर्मी द्वारा दू दू बेर सामूहिक बलात्कार भेल छल। पहिल बलात्कारक घटना 25 अक्तूबर 2013 के भेल छल। बलात्कारक घटनाक रिपॊर्ट थानामे दर्ज करेलाक बाद अपन घर अयबा क क्रममे दुष्कर्मी फ़ेर सं हुनका संग दुष्कर्म कयलक। जीवन मृत्यु सं लड़ैत मिथिला क बेटी अन्तत: 31 दिसम्बर कए एहि पापी दुनियासं विदा भ’ गेली। आनन्दबाजार पत्रिका अनुसार मिथिला क बेटी गर्भवती भ गेल छली जकर पुष्टि कोलकाता पुलिस द्वारा पोस्ट मोर्टम के बाद कएल गेल छल। ओमहर दू-दू बेर बलात्करक शिकार मृतक मिथिला क बेटीक परिवार नीमतल्ला घाट पर अपन बेटीक श्राद्ध कर्म करबाक क्रम मे प्रताड़ित सेहो भेला। मुदा बाप त बाप होयत अछि। पीड़िताक पिता एहि बात पर अड़ल छथि कि जाबत धरि हुनका न्याय नहिं भेटतनि ताबत धरि ओ चुप नहिं बैसता। एहिमे किछु लोकक सहयोग भेट रहल छनि। कोलकाता क आन संस्था सब एकर निन्दा कयलनि आ कहलनि जे मिथिला क बेटी “कोनो राज्यक बेटी नहिं, देशक बेटी छली”। एहि प्रकरणमे सबसं दुखद आ विस्मयकारी बात ई देखल गेल अछि जे कोलकाता जकराकि “मिनी मिथिला” कहल जायत अछि, जाहि ठाम छोट पैघ लगभग 30 संस्था सब गठित भेल अछि आ जे मिथिला मैथिलीक गतिविधि स सतत सक्रिय रहैत अछि आई एहि मामला पर मौन व्रत धारण केने अछि। कारण, एख़न धरि कोनो मिथिला-मैथिली संस्था सार्वजनिक रुपमे एककर प्रतिरोध करबाक हिम्मत नहिं देखेलनि अछि। प्रतिरोधक स्वर नहिं उठि रहल अछि। मुदा उठायल जा रहल अछि मिथिला-मैथिलीतर संगठन आ संस्था सब द्वारा। मध्यमग्राम दुष्कर्म मामलाक विरोधमे कोलकाताक कैकटा राजनीतिक दल आ संगठण दिस सं विरोध प्रदर्शन कएल जा रहल अछि। टैक्सी चालक एशोसियेशन, उत्तर भारतीय हिन्दुस्तानी समाज, युवा लीग, बिहारी समाज, मगही मगध नागरीक संघ, अखिल भारतवर्षीय चन्द्रवंशीय क्षत्रिय महासभा, अखिल भारतीय गोस्वामी समाज आदि एहि मामला के धिक्कारैत जगह जगह प्रदर्शन करैत अपन रोष व्यकत कयलनि अछि। मुदा एखन धरि कोनो मिथिला मैथिली संस्था दिस सं प्रतिवादक स्वर सार्वजनिक रुपमे मुखरित नहिं भेल अछि। हं, कोलकाता बलात्कार कांड केर विरोधमे स्थानीय मैथिली बुद्धिजीवि लोकनि द्वारा करिया पट्टी बान्हि मोमबत्तीक संग “मौन सभा”क आयोजन स्थानीय तारासुंदरी पार्कमे यात्रीक मूर्तिक समक्ष अबस्से कएल गेल। । कुल मिलाक’ ई मामला राजनीतिक रंग ल’ रहल अछि जेकि पीड़िताक परिवारकें न्याय दीयाबमे आ बलात्कारीकें सजा दियाबमे एकटा पैघ प्रतिरक्षणक कार्य कए रहल अछि। सामूहिक बलात्कार पीड़िताक टैक्सी चालक पिता सेंट्रल ट्रेड यूनियन सीटू स संबंध रखबाक कारणे मृत्यु प्रमाण पत्रक बहन्ने पुलिस द्वारा जबरदस्ती अंतिम संस्कार रोकबाक कुचेष्टा कएल गेल छल। एखन पीड़ित परिवार भयाक्रान्त रहि रहल अछि। आब त समय बतायत कि बंग राज्यक महिला मुख्यमंत्रीक हॄदयमे नारीक प्रति कतेक संवेदनशील छैथ आ अपन “सुशासन”क रक्षा करबाक लेल बलात्कारीके सजा दियेबा लेल केहन कार्रवाई करैत छथि ! परन्तु एकटा बात आब त सिद्धे भ गेल जे महानगरमे नारीक अस्मिता सुरक्षित नहिं अछि।

मिथिला विकास परिषद, कोलकाता द्वारा एहि लोमहर्षक दुष्कर्मक छानबीन करेबाक आ दुष्कर्म पीड़िताक न्याय लेल एकटा पत्र मुखमंत्रीके देल गेल अछि। आ एखन एखन प्राप्त सूचनाक अनुसार पश्चिम बँगाल प्रबासी मिथिला सँघ, कोलकाता मध्यम ग्राम काँड के बिरोध मे मोमबत्ती जरैत मुँह पर कारी पट्टी बाँधि मौन जुलुश निकालय जा रहल अछि।

– इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

गंगा स बूढ़ी गंडक कए जोड़बा क डीपीआर तैयार

Esamaad Epaper Website

भागलपुर मे मेगा फूड पार्क क शिलान्यास फरबरी मे

Esamaad Epaper Website

फेर स छपत प्रतिष्ठित जर्नल्‍स 'मिथिला भारती'

Comments 1

  1. Dhiraj Kumar Jha says:
    11 years ago

    दुखद किन्तु इ सत्य छिक जे आइ महानगर म ई एक मानसिक बीमारी के रूपमें फैल गेल अछि, बंगाल के ई घटना अपना साथे बहुत सा सवाल खड़ा करैत य कि आखिर ऐ तरहक घटना किया बेर बेर समपन्नता के ओर बैढ़ रहल क्षेत्र म बेसी गैट रहल अछि। दुखद पहलु ई कि सरकार आ सामाजिक संगठन ऐ बात पर शोध करै के बजाय एकसुर म केवल अपराधी क कड़ा दंड दै के मांग करैत अछि। लेख के माध्यम स समस्या क सबके बीच राखै आ विचार करै के लेल प्रेरित करै के खातिर धन्यवाद।
    लड़ाई जारी राखु ………

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि