पटना। बिहार मे पहिल स आठवीं कक्षा तक क शिक्षक लेल आयोजित शिक्षक पात्रता परीक्षा (टीईटी) क परिणाम सोमदिन घोषित केल गेल। घोषित परिणाम क अनुसार कुल 1. 47 लाख अभ्यर्थी उत्तीर्ण भेलथि अछि, जे कुल बैसल उम्मीदवारक महज 5 फीसदी अछि।
शिक्षक पात्रता परीक्षा (टीईटी) क आयोजन दिसंबर 2011 मे आओर किछु अभ्यर्थी लेल जनवरी 2012 मे कैल गेल छल। 25 लाख स बेसी अभ्यर्थी लेल आयोजित एहि परीक्षा कए राज्य मे महापरीक्षा क नाम देल गेल छल। राज्य क शिक्षा मंत्री पी के शाही परीक्षा परिणाम जारी करैत कहला जे पहिल कक्षा स पांचम तक क शिक्षक पात्रता लेल आयोजित परीक्षा मे 21. 62 लाख अभ्यर्थी आओर छठम स आठम तक क शिक्षक पात्रता परीक्षा मे 5. 17 लाख अभ्यर्थी शामिल भेल छलाह। ओ कहला जे पहिल स पांचम तक क शिक्षक योग्यता क परीक्षा (टीईटी) मे 60730 अभ्यर्थी आओर छठम स आठम तक क शिक्षक योग्यता परीक्षा (टीईटी) मे 87254 अभ्यर्थी उत्तीर्ण भेलथि अछि।
शाही कहला जे 4000 टीईटी अभ्यर्थी क ओएमआर (आप्टिकल मार्क रिकाग्निशन) पत्र लापता भ गेल अछि। एहन अभ्यर्थी लेल बाद मे विशेष परीक्षा आयोजित होएत। 15024 अभ्यर्थी क परीक्षा परिणाम कईटा कारण स लंबित अछि। शिक्षा मंत्री कहला जे माध्यमिक शिक्षक पात्रता परीक्षा (एसटीईटी) क सेहो परीक्षा परिणाम एक सप्ताह क भीतर घोषित करि देल जाएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper