• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मार्च त शुरू भ जाइत जल विद्युत क नौ टा यूनिट मे उत्पादन

December 6, 2009
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना । प्रदेश क किछु जिला मे अगिला मार्च स बिजली संकट कम हेबाक संभावना अछि। मार्च तक राज्य क लघु जल विद्युत क नौटा परियोजना स उत्पादन शुरू भ जाइत। एहि स उत्पादन शुरू भेला स औरंगाबाद, अरवल, रोहतास आ सुपौल मे लोक कए बिजली उपलब्ध भ सकत। औरंगाबाद क तेजपुरा मे 1500 किलोवाट, अरवल क बेलसार मे 1000, वलिदाद मे 700, अरवल मे 500 किलोवाट, रोहतास क अमेठी मे 500, रामपुर मे 250 , नटवार मे 250, पहरमा मे 1000 आ सुपौल क राजपुर मे 700 किलोवाट क्षमता क लघु जल विद्युत परियोजना स्थापित भ रहल अछि। ऊर्जा विभाग उक्त नौ परियोजना क अलावा छहटा आओर परियोजना क स्थापना क कार्य प्रारम्भ करबाक दावा केलक अछि। एकर तहत पश्चिम चम्पारण क धोबा मे 2000 ,कटन्या मे 2000, बरवल मे 1600, मथौली मे 800, औरंगाबाद क डेहरा मे 1000 आ सिपहा मे 1000 किलोवाट क्षमता क विद्युत परियोजना क कार्य प्रारम्भ भ गेल अछि। लघु जल विद्युत परियोजना स्थापित करबा मे निजी क्षेत्र क प्रयास सफल रहल अछि। कोसी क्षेत्र मे निजी निवेशक सुभाष काबिनी नौ स्थान पर परियोजना स्थापित करबा लेल संरचना तैयार करि लेलथि अछि। एकर तहत बथनाहा मे 4 मेगावाट क्षमता क 2 टा, अरारघाट मे 4 मेगावाट क्षमता क 3टा आ मलहनवा मे 3 मेगावाट क्षमता क 2टा यूनिट क स्थापना क कार्य प्रारम्भ अछि। ऊर्जा विभाग क अनुसार ताप विद्युत परियोजना कए कोल लिंकेज नहि भेटबा क स्थिति मे जल विद्युत परियोजना पर उम्मीद बंधल अछि। एकर तहत कोसी नदी पर 126 मेगावाट क्षमता क स्थापना क लेल फ्रांस क संस्था कए एएफडी स राशि उपलब्ध करेबा लेल राज्य सरकार अपन अनुशंसा केन्द्र कए पठेलक अछि। एकर विस्तृत परियोजना प्रतिवदेन केन्द्रीय एजेंसी वापकोस तैयार के लक अछि। कैमूर मे 1600 मेगावाट क्षमता क हथियादह -दुर्गावती पम्प स्टोरेज स्कीम क लेल जापान क तकनीकी आ वित्तीय संस्था रुचि देखेलक अछि। एकरा लेल सेहो केन्द्र क आर्थिक मामला क मंत्रालय क सहमति जरूरी अछि। इन्द्रपुरी मे 450 मेगावाट क्षमता क जल विद्युत परियोजना कए सेहो निजी क्षेत्र मे मूर्त रूप लेबा लेल बिहार राज्य जल विद्युत निगम आश्वस्त अछि। ऊर्जा विभाग निजी क्षेत्र मे परियोजना स्थापित करबाक जिम्मेवारी बीएचपीसी कए सौंपलक अछि।

Tags: जल विद्युत

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

केन्द्रीय विश्वविद्यालय क स्थापना क लेल मोतिहारी पहुंचल टीम

Esamaad Epaper Website

गरीबी पर भ्रम पैदा करबाक कोशिश

Esamaad Epaper Website

योगक्रांति अग्रदूत क महाप्रयाण स सन्नाटा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि