पटना। उद्योग मंत्री रेणु कुमारी कुशवाहा कहलथि अछि जे मार्च मे दिल्ली हाट क तर्ज पर राजधानी मे सेहो ‘पटना हाट’ शुरू भ जाएत। जाहि ठाम बारह महीना स्टाल लागल रहत जाहि मे शिल्पकार अपन कला कए बाजार द सकताह। ओ उद्योग विभाग दिस स राज्यक 40टा शिल्पकार कए सम्मानित करबाक बाद सभा कए संबोधित क रहल छलथि। ओ कहलथि जे उपेंद्र महारथी शिल्प अनुसंधान संस्थान क उन्नयन कैल जाएत। मंत्री क अनुसार राज्य सरकार कला-संस्कृति आ पर्यटन पर बहुत ध्यान द रहल अछि। जाहि स गोवा स बेसी लोक बिहार आबि रहल अछि। शिल्पकला कए प्रोत्साहित करबाक उद्देश्य स पहिल बेर इ सम्मान समारोह आयोजित भेल अछि। हिनकर सबहक प्रशिक्षण पर विशेष बल देल जाएत। एखन 11 विषय मे प्रशिक्षण क व्यवस्था अछि। पत्थर कट्टी, लाह आ मधुबनी पेंटिंग सन विषय मे सेहो प्रशिक्षण कार्यक्रम आरंभ होएत। विभाग क प्रधान सचिव नवीन वर्मा कहला जे म्यूजियम क पाछु मे ‘पटना हाट’ बनि रहल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर