• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मिथिला क्षेत्र मे लागत बिहार क पहिल परमाणु विद्युत संयंत्र

November 1, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नई दिल्‍ली। कटिहार जिलाक कुरसेला मे बिहार क पहिल परमाणु विद्युत संयंत्र खोलबाक फैसला लेल गेल अछि। एकरा लेल बिहार सरकार एकटा ताजा प्रस्ताव न्यूक्लियर पॉवर कारपोरेशन इंडिया लिमिटेड ( एनपीसीआईएल ) कए पढा देलक अछि। इ बिहार सरकार क उर्जा क क्षेत्र मे भारी मांग आ उर्जा आपूर्ति क अन्तर कए पूरा करबा मे सहायक होएत। ज्ञात हुए जे बिहार सरकार अपन निजी प्रयाय स राज्य मे परमाणु उर्जा, थर्मल पॉवर आ पनबिजली क क्षेत्र मे संभवना ताकि रहल अछि आ एहि एहि पर लगातार काज क रहल अछि। बिहार सरकार पहिने परमाणु विद्युत संयंत्र लेल नवादा मे जगह देखने छल, मुदा ओहि ठाम जल क समस्‍या भेल, तखन सरकार बिना समय बर्बाद केने नव जगह क रूप कटिहार क चयन केलक अछि।
बिहार राज्य बिजली बोर्ड क अध्यक्ष पीके राय एहि संबंध मे कहला अछि जे परमाणु उर्जा संयंत्र क लेल कुरसेला मे जमीन आ जल दूनू पर्याप्त मात्रा मे अछि। ताहि लेल हमसब एहि संयंत्र लेल कुरसेला क चुनाव केलहुं अछि। एहि ठाम एहन कोनो समस्‍या नहि अछि ताहि लेल उम्‍मीद कैल जा सकैत अछि जे न्यूक्लियर पॉवर कारपोरेशन इंडिया लिमिटेड ( एनपीसीआईएल ) हमर सबहक प्रस्‍ताव कए मंजूर क लेत।
किछु दिन पहिने एनपीसीआईएल नवादा जिला क रजौली मे एकटा 4 गुणा 700 एमवी क परमाणु उर्जा सयंत्र लगेबाक प्रयास केने छल मुदा जल क अभाव कए देखलाक बाद बिहार सरकार स दोसर जमीन उपलब्‍ध करेबाक आग्रह केलक।
बीएसइएस क अध्यक्ष राय कहला जे रजौरी परियोजना लेल 320 क्यूसेक जल क जरुरत छल जाहि मे स केवल 160 क्यूसेक क बंदोबस्त भ सकल छल। बिहार जल संसाधन विकास विभाग संकेत देलक जे प्रस्तावित धनजरिया जलाशय आ फुलवरिया जलाशय एहि सयंत्र लेल उपयुक्त नहि अछि। मुदा विभाग एहि दिस ध्यान नहि देलक आ इ मामला लटकी गेल। एकर बाद राज्‍य सरकार कए इ भान भेल जे न्यूक्लियर पॉवर कारपोरेशन इंडिया लिमिटेड( एनपीसीआईएल) बिहार कए इ परियोजना नहि देत। पहिने त राज्‍य सरकार एनपीसीआईएल स अनुरोध केलक जे परियोजना क क्षमता कए घटा देल जाए आ एकरा 2 गुणा 700 एमवी क देल जाए ताकि 127 क्यूसेक जल स परियोजना क शुरुआत भ सकए। सरकार क एहि प्रस्ताव कए न्यूक्लियर पॉवर कारपोरेशन इंडिया लिमिटेड ( एनपीसीआईएल) नामंजूर क देलक। एकर बाद दोसर जमीन तकबाक अलावा सरकार लग दोसर कोनो रास्‍ता नहि बचल।
कोयला क गंभीर संकर कए ध्यान मे रखैत बिहार सरकार रजौली उर्जा सयंत्र क स्थापना लेल नव दलील देलक आ एकर नवीनीकरण पर जोर देलक। एहि मुद्दा पर हाल मे नई दिल्ली मे भेल उर्जा मंत्री क संग बैसार मे एहि पर सेहो चर्च भेल। बिहार क उर्जा मंत्री बिजेंद्र प्रसाद क कहब अछि जे परमाणु उर्जा संयंत्र लेल 2007 मे जमीन क चयन भेल छल, मुदा जलक समस्‍या पर चर्च बहुत बाद मे शुरू भेल।
दोसर दिस राय कहला जे सरकार एनसीपीएल स अनुरोध केलक अछि जे जलक संभावित संसाधन क संग परमाणु उर्जा पर पुनर्विचार कैल जाए। ओ कहला जे अगर क्षमता मे कटौती भ जाइत अछि त नवादा तैयार अछि, मुदा अगर कटौती पर गप नहि बनल त कुरसेला मे जमीन उपलब्‍ध करा देल जाएत। ज्ञात हुए जे अगर कटिहार क कुरसेला मे इ संयंत्र लगैत अछि त इ बिहार क पहिल परमाणु संयंत्र होएत। संगहि पूर्वोत्तर क्षेत्र सेहो एखन धरि कोनो परमाणु उर्जा सयंत्र नहि अछि। अगर एहि सयंत्र क स्थापना भ जाइत अछि त इ मिथिला या बिहार क लोक लेल नहि बल्कि पूर्वोतर भारत क लोक लेल पहिल संयंत्र होएत। ऊर्जा क समस्‍याक निराकरणक संगहि रोजगार क अवसर सेहो मुहैया कराउत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

आ आबि गेलीह मैथिली..

Esamaad Epaper Website

दक्षिण बिहार मे लागत हाइटेक रेडियो फ्रीक्वेंसी इलेक्ट्रानिक मीटर

Esamaad Epaper Website

बिहार मे भेटत डीएनए जांच क सुविधा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि