• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मैथिली शिक्षकक नियुक्ति लेल दायर पीआइएल स्‍वीकार

October 8, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नई दिल्‍ली। बिहार सरकार शिक्षक नियुक्ति मे लाख गुहारक बावजूद मैथिली शिक्षक क नियुक्ति स इनकार क देलक अछि। एहि स दुखी मैथिल सब आब अदालतक दुहारि खटखटा देलथि अछि। अन्तरराष्ट्रिय मैथिलि परिषद्क मुज़फ्फरपुर इकाई सरकारक एहि रवैया क विरोध मे कोर्ट पहुंच गेल अछि। परिषद क मुज़फ्फरपुर इकाई क अध्‍यक्ष प्रो. इंद्रनाथ मिश्र क नेतृत्‍व मे शिक्षक नियुक्ति मे मैथिली शिक्षकक उपेक्षा पर पटना उच्च न्यायालय मे जनहित याचिका दायर कैल अछि। कोर्ट एहि याचिका कए विचार लेल स्‍वीकार क लेलक अछि। पीआईएल विचारार्थ स्वीकृत भेला स एक दिस जतए मैथिल सब मे हर्ष अछि ओतहि सरकार क शिक्षा विभाग क माथ पर पसीना देखा रहल अछि। एहि संबंध मे जानकारी दैत परिषद प्रवक्‍ता डॉ धनाकर ठाकुर कहला जे 2003 मे मैथिली कए आठवीं अनुसूचि मे शामिल कैल गेल छल। 2004 मे पटना हाईकोर्ट सेहो मैथिली माध्यम स पढाई क पक्ष मे न्यायादेश देने छल। ओना देखल जाए त श्रीबाबू क समय मे सेहो सरकार प्राथमिक स्‍तर पर मैथिली मे शिक्षा देबा लेल तैयार भ गेल अछि, मुदा आइ धरि सरकार एकरा लागू नहि क सकल अछि।
मैथिली कए हटेबाक सबस पैघ प्रयास लालू सरकार केलक, जाहि मे ओ हाइकोर्ट मे हारि गेल। ओना एकर विरूद्ध राबडी सरकार सुप्रीम कोर्ट सेहो गेल। मई 2011 मे सुप्रीम कोर्ट सेहो मेथिली क पक्ष मे अपन फैसला सुनेलक। ओ कहला जे राज्य सरकार कए जल्द स जल्द मैथिली कए शिक्षा क माध्यम क विकल्प क रूप मे स्वीकार करि लेबाक चाही। संविधान क धारा 345,346 आ 347 क तहत मैथिली कए राजभाषा क दर्जा भेटबाक चाही। एहि संदर्भ मे पूर्व सभापति ताराकांत झा कहला जे मैथिली कए संविधान क अष्टम अनुसूचित मे स्थान प्राप्त अछि। डॉ. श्रीकृष्ण सिंह क मुख्यमंत्रित्वकाल मे मैथिली कए प्राथमिक विद्यालय मे पढ़ेबा लेल स्वीकृति देल गेल छल।
ज्ञात हुए जे पिछला सत्र क दौरान मानव संसाधन मंत्री पीके शाही विधान परिषद मे कहने छलाह जे प्राथमिक स्तर पर मैथिली शिक्षक क नियुक्ति क प्रावधान नहि अछि। ओ विनोद कुमार चौधरी क ध्यानाकर्षण क जवाब मे कहने छलाह जे प्राथमिक विद्यालय मे स्थानीय शिक्षक क नियोजन होइत अछि आ एहन आशा कैल जाइत अछि जे ओ छात्र कए स्थानीय भाषा स अवगत कराउत। मुदा प्राथमिक स्तर पर मैथिली शिक्षक क नियुक्ति क कोनो प्रावधान नहि अछि। प्रश्नकर्ता कहने छलाह जे मैथिली क पढ़ाई नौवीं कक्षा मे होइत अछि। मैथिली बिहारक स्थानीय भाषा छी ताहि लेल एकर प्राथमिक स्तर पढाई सेहो हेबाक चाही। एकर बाद केदार पाण्डेय सेहो कहने छलाह जे इ मामला सही मे गम्भीर अछि। शिक्षा विभाग एहि पर सम्यक रूप स विचार करे। एहि दौरान सदन मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो मौजूद छलाह, मुदा ओ एहि पर कोनो टिप्पणी नहि केने छलाह।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बांका मेगा थर्मल संयंत्र लेल जमीन तैयार

सुरेंद्र चौधरी – एकटा हेरायल नायक

Esamaad Epaper Website

कोनो जाति क भ सकैत अछि अगिला सीएम : लालू

Comments 1

  1. Prakash Kr. Jha says:
    13 years ago

    Neek samaad. Ummeed je Maithili ke nyay bhetat.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि