• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मॉल आफ बिहार अछि बेतिया क मीना बाजार

May 6, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

बेतिया । अमेरिकी शहर मेनिसियोटा कए मॉल आफ अमेरिका कहल जाइत छैक, मुदा अगर इ उपाधि बिहारक कोनो शहर कए देल जाए त ओ पश्चिमी चंपारण क मुख्यालय बेतिया अछि। बेतिया स्थित मीना बाजार देश क संभवत: पहिल एहन बाजार अछि जेकर प्रांगण मे एक संग 2400टा दुकान क जमावड़ा अछि। एहि बाजार मे रोजाना लगभग बीस हजार ग्राहक खरीदारी करबा लेल अबैत अछि। एहि बाजार ब्याह स लकए श्राद्घकर्म तक क सबटा सामान एक संग भेट जाइत अछि। बेतिया राज क संपत्ति क देखरेख करनिहार अधिकारी कहला जे इ बाजार त बेतिया राज क संपत्ति छल, मुदा बिहार लैंड रिफॉर्म एक्ट क बाद भूतपूर्व जमींदार क संपत्ति पर सरकार क अधिकार भ गेल। ओहिना ओ बेतिया क अंतिम राजा क संतानहीन रहबाक कारण संपत्ति क देखरेख करीब सौ साल स कोर्ट आफ लॉ क रहल अछि। आजादी स पूर्व त एहि राजक संपत्ति क देखरेख सही तरीका स होइत रहल मुदा आजादीक बाद राज संपत्ति क लूट आम गप भ चुकल अछि। आइ राज महल समेत मीना बाजार अपन हालत पर कनबा लेल मजबूर अछि। सबस रोचक गप इ अछि जे 2400 दुकान स सुजज्जित एहि बाजार मे फिलहाल कोनो व्यवसायी संघ कार्यरत नहि अछि। एहि स दुकानदार कए एक संग कई प्रकार क समस्या क समाधान स्वयं करबा लेल मजबूर छथि।
मीना बाजार स्थित प्रेम स्टोर के मालिक कहैत छथि जे बाजार मे रोजाना जिला स लगभग बीस हजार ग्राहक अबैत छथि। ओ कहला जे पूरा देश मे इ बाजार अपन सघनता लेल प्रसिद्ध छल। बेतियाक मीना बाजार मे दुकान क कतार किछु एना सुसज्जित छल जे भीतर आयल लोक कए पता नहि चलैत अछि जे कखन रौद भेल आ कखन बरखा। मुदा आब ओ गप नहि अछि। हालात एहन भ गेल अछि जे पूरा बाजार बरखा क बाद कादो स लथपथ भ जाइत अछि। एहन मे ग्राहक क संख्या सेहो प्रभावित भ जाइत अछि। प्रतिवर्ष कई करोड टकाक नुकसान होइत अछि। एहि ठामक तरकारी आ माछ बाजार सेहो प्रसिद्ध रहल अछि। एकटा पुरान दुकानदार कहैत छथि जे ओ अंगरेज कए सेहो किराया दैत छलाह आ एखन सरकार कए सेहो किराया द रहल छथि मुदा आब सुविधा क नाम पर बस कोरा आश्वासन भेट रहल अछि। लगभग 1857 मे निर्मित एहि मीना बाजार मे आइ सब दिस समस्या देखा रहल अछि। एहि ठामक दुकानदार उदास भाव स कहैत छथि जे देश भरि मे अपन तरहक एहि असगर बाजार कए देखरेख करनिहार कियो नहि अछि। देखरेखक अभाव मे कई बेर इ अगलगी क शिकार सेहो भेल। अंग्ररेज युग क मुकाबले आइ ग्राहक क संख्या कई गुणा बढि चुकल अछि, मुदा पुरान तरीका स बनल दुकान मे मामूली बदलाव तक करबाक अधिकार ककरो लग नहि अछि। संपत्ति क देखरेख करनिहार सरकारी अधिकारी मात्र टका समेटबा मे लागल छथि।किछु साल पहिने तक इ बाजार रविदिन बंद रहैत छल, मुदा आब सरकार एकर लेबर एक्ट स मुक्त क देलक अछि आ इ बाजार आब सब दिन खुलैत अछि। अधिकारी एहि मसला पर किछु कहबा लेल तैयार नहि छथि। ओ मात्र एतबा कहैत छथि जे टैक्स अदायगी क विवाद आइ धरि अनसुलझल अछि आ केस हाईकोर्ट मे चलि रहल अछि। किछु साल पहिने फल बाजार क छत खसि गेल छल। कईटा आओर दुकान क छत खसबाक कगार पर अछि, मुदा सरकार एहि मामला मे किछु करबा लेल तैयार नहि अछि। अतिक्रमण क हाल इ अछि जे स़डक कचारू कात छोट-छोट दुकान क जमाव़डा लागल रहैत अछि जाहि स चलब तक मुश्किल रहैत अछि। जल निकासी क पुरान व्यवस्था ध्वस्त भ चुकल अछि आ नव कोनो नाला निर्माण नहि कैल गेल अछि। ओना किछु लोक अधिकारी कए टका थमा मनचाहा कंस्ट्रक्शन सेहो करबा लेलथि अछि।
बेतिया क आम लोक सेहो मानैत छथि जे इ बाजार वरदान अछि। एहि ठाम बजट क हिसाब स सबटा सामान उपलब्ध रहैत अछि। दतमनि स ल कए गाडी तक एहि बाजार मे एक ठाम उपलब्ध भ जाइत अछि। पटना दिल्ली क स्तर क वस्तु एहि ठाम आसानी स उपलब्ध भ जाइत अछि सेहो सस्ता दर पर, सच कहू त इ कोनो मॉल स कम नहि अछि, इ मॉल आफ बिहार अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बाढ थर्मल स निकलल धूंआ, नवंबर स भेटत बिजली

Esamaad Epaper Website

मैथिली, मलयालम आ महिला लहरेलक परचम

Esamaad Epaper Website

एयरमैप पर 15 स चमकत भागलपुर

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि