पटना । बिहार मे निजी निवेशक लेल जमीनक दिक्कत कए कम करबा लेल मोकामा मे राज्यक पहिल औद्योगिक परिसरक निर्माण भ रहल अछि। लगभग 50 एकड मे प्रस्तावित एहि परिसर क शिलान्यास अगिला दू मास मे भ जाएत। एहि परिसर कए छत्रधारी इंडस्ट्रीज प्र लि विकसित क रहल अछि। कंपनी क संरक्षक जीपी सिंह कहला अछि जे राज्य निवेश प्रोत्साहन परिषद लग इ प्रस्ताव बहुत दिन स लंबित छल। परिषद काफी विचार मंथन क बाद एकरा मंजूरी द देलक अछि। एखन एहि ठाम 26 एकड मे परिसर शुरू होएत जे बाद मे 50 एकड तक बढाउल जाएत। उद्योग विभाग क एकटा अधिकारी कहला अछि जे एहि परिसर क विकास मे सरकारक कोनो भागीदारी नहि रहत आ एहि ठाम कोन कंपनी क संयंत्र लागत आ कोन कंपनी कए जमीन आवंटित होएत एकर निर्णय छत्रधारी इंडस्ट्रीज प्र लि करत। सरकार किछु आधारभूत संरचनाक विकास लेल जरूर 50 करोड क सहायता प्रदान करत। इ राशि कंपनी कए चारि हिस्सा मे देल जाएत। ज्ञात हुए जे भूमि अधिग्रहण मे आबि रहल दिक्कत क बाद सरकार औद्योगिक परिसरक निर्माण लेल निजी क्षेत्र कए आमंत्रित केने छल। सरकारक एहि पहलक आब सार्थक परिणाम सामने आबि रहल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa