नई दिल्ली। केंद्रीय विश्वविद्यालय क मुद्दा पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ मानव संसाधन विकास मंत्री कपिल सिब्बल आमने-सामने आबि गेलाह अछि। जतए मुख्यमंत्री नीतीश मोतीहारी मे केंद्रीय विश्वविद्यालय चाहैत छथि ओतहि सिब्बल गया मे एकरा खोलबा लेल एक पर एक दलील द रहल छथि। मुंख्यमंत्री नीतीश कुमार क समर्थन मे सोमदिन बिहार क शिक्षाप्रेमी आ नेता सब जंतर-मंतर पर धरना-सत्याग्रह केलथि। एहि मे भाजपा आ जदयू क तमाम प्रतिनिधि शामिल भेलथि। जनप्रतिनिधि क मांग छल जे मोतीहारी मे जल्द स जल्द केंद्रीय विश्वविद्यालय खोलबाक मंजूरी देल जाए। धरना क माध्यम स केन्द्र सरकार कए ओकर पुरान कथन सेहो याद दियउल गेल आ देश-दुनिया मे गांधीजी क सफल सत्याग्रह क भूमि क रूप मे चर्चित चम्पारण क उपेक्षा नहि करबाक आग्रह कैल गेल। भाजपा क आरोप छल जे सिब्बल एहि मामला मे छोटगर राजनीति क बिहार क लोक कए बांटबाक कोशिश क रहल छथि। एहि अवसर पर भाजपा क राष्ट्रीय प्रवक्ता सह सांसद शहनवाज हुसैन कहला जे बापू क कर्मभूमि मोतिहारी मे हुनकर नाम पर केन्द्रीय विश्वविद्यालय क स्थापना को हेबाक चाही। ओ कहला जे केन्द्रीय मानव संसाधन विकास मंत्री कपिल सिब्बल द्वारा अकारण मोतिहारी मे केविवि क मामला लटकाउल जा रहल अछि। जखन कि बिहार सरकार दो-टूक मे इ कहि चुकल अछि जे केविवि हरहाल मे चम्पारण क धरती पर बनत। बिहार विधान सभा स सेहो एहि आशय क प्रस्ताव पारित क केन्द्र कए पठाउल जा चुकल अछि। बावजूद एकर कपिल सिब्बल एहि मुद्दा पर दोहरी नीति अपना रहल छथि। आजुक धरना मे राधामोहन सिंह, वैद्यनाथ महतो, साबिर अली, रमा देवी, जयनारायण निषाद, डा.संजय जायसवाल, अश्वमेध देवी, हुकुमदेव नारायण यादव, पूर्णमासी राम, भोला प्रसाद सिंह, मीना सिंह, अनिल सहनी, महेश्वर हजारी, ओमप्रकाश यादव, विधायक प्रमोद कुमार, सचिन्द्र सिंह, पवन जायसवाल, भाजपा गोवंश प्रकोष्ठ के राष्ट्रीय सह संयोजक मयंकेश्वर सिंह, प्रो.नसीम अहमद, स्थानीय नेता राय सुंदरदेव शर्मा, बजरंगी नारायण ठाकुर, पूर्व विधायक मो.ओबैदुल्लाह, अरूण यादव, सुभाष कुशवाहा, सुभाष प्रसाद गुप्ता, कुमार शिवशंकर, रामाकांत सिंह, राकेश कुमार, अमरेन्द्र सिंह, साजिद रजा, बबन कुशवाहा, अब्दुल हमीद कैप्टन, अरूण कुमार गुप्ता, प्रवीण कुमार सिंह, मनीष शेखर समेत हजार स बेसी लोक शामिल छल।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper
Ehi men sab uttar Bihark lok ke juti ka kaj kara parat. Nahi ta ek batbara men Laloo or Balu vetal, aa dosar men maha sunya!