नई दिल्ली : गप जखन भाषा आ बोली क होए तखन मैथिली क मिठास क कि कहनाय। बोली एहन जे श्रोता क कान मे मिसरी घोलि दैत अछि। दिल्ली सेलिब्रेट्स क तहत राग रंग समारोह में गुरु दिन मैथिली आ भोजपुरी गीत क नाम रहल। भारत सरकार क कला संस्कृति आ भाषा विभाग द्वारा आयोजित एही कार्यक्रम क चारिम दिन भोजपुरी आ मैथिली क नाम रहल। समारोह में मैथिली क सुप्रसिद्ध गायिका रंजना झा आ भोजपुरी क सुर सम्राट गुड्डू रंगीला अपन प्रस्तुति स श्रोता क मंत्रमुग्ध कए देलथि।
सुनअ-सुनअ रे मोरे पिया आ थोरी सी अरजिया हमार जेहन गीत कए गाबि रंजना झा सभहक मोन जीत लेलथि। तबला, हारमोनियम आ आन परंपरागत वाद्ययंत्र पर गायिका क सुरीली आवाज श्रोता क झूमबा पर मजबूर कए देलथि। सेंट्रल पार्क में आयोजित एहि मोहक संगीत कार्यक्रम क शुरुआत रंजना जी क गणेश वंदना स भेल। साँझ करीब साढ़े छह बजे महज़ किछु लोग क मौजूदगी मे शुरू भेल एही कर्यक्रम मे सात बजे तक दर्शक जमावड़ा लागि गेल। रंजना झा क भजन आ लोकगीत आ गुड्डू रंगीला क गीत दर्शक क भरपूर मनोरंजन केलथि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa