• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

राज श्‍मशान माधेश्‍वर क विकास लेल 6 करोड

June 28, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दरभंगा। पर्यटन क दृष्टि स दरभंगा क विकास करबाक दिशा मे राज्‍य क सरकार एकटा आर डेग बढेलक अछि। कामेश्‍वर नगर स्थित राज परिवारक श्‍मशान स्‍थल माधेश्‍वर परिसर क विकास आ सौंदर्यीकरण लेल पर्यटन विभाग 6 करोड़ 66 लाख पांच हजार टका क स्वीकृति देलक अछि। ज्ञात हुए जे एहि परिसर मे राज परिवारक कईटा चिता पर भव्‍य मंदिर बनल अछि। सबस पुरान मंदिर महाराजा रुद्र सिंह क चिता पर अछि जखन कि सबस नव मंदिर महाराजा कामेश्‍वर सिंह क चिता पर बनल अछि। ओना एहि परिसर मे सबस बेसी भीड महाराजा रामेश्‍वर सिंह क चिता पर बनल रामेश्‍वरी श्‍यामा मंदिर मे रहैत अछि। दरभंगा क विधायक संजय सरावगी एहि संबंध मे विस्‍तार स जानकारी दैत कहला जे कामेश्‍वर नगर क विकास लेल ओ सतत प्रयत्‍नशील छथि। ओ कहला जे चौरंगीक विकास लेल सेहो योजना तैयार अछि। श्री सरावगी कहला जे सरकार कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय मुख्यालय स सटल पश्चिम स्थित सरोवर शुक्खी दिग्घी लेल सेहो एक करोड़ 64 लाख 87 हजार 900 टका स्वीकृत केलक अछि। ओ कहला जे एकरा दरभंगा शहर कए पर्यटन क मानचित्र पर अनबाक पैघ पहल कहल जा सकैत अछि। एकरा लेल ओ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी आ पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिंटू क प्रति आभार प्रकट केलथि।
श्री सरावगी कहला जे माधेश्‍वर परिसर लेल राशि दू चरण मे देल जाएत। पहिल बेर 4,53,56,500 टका ओ दोसर बेर 2,12,48,500 टका क काज होएत। प्रथम चरण लेल स्वीकृत कैल गेल राशि मे स तत्काल 3,59,70,700 टकाक निकासी आ व्यय क स्वीकृति सेहो भेट गेल अछि। दोसर दिस इसमाद क पहल क असर कहि सकैत छी जे शुक्खी दिग्घी लेल सेहो निर्धारित राशि क निकासी आ व्यय क स्वीकृति द देल गेल अछि। श्री सरावगी कहला जे एहि राशि स सरोवर क आसपास प्रकाश क व्यवस्था संगहि कछैर मे फुटपाथ क निर्माण, लैंडस्केपिंग, जेटी, मोटर वोट, पैडल वोट आदि क व्यवस्था होएत। उल्लेखनीय अछि जे पर्यटन विभाग ऐतिहासिक हराही पोखरि क सौंदर्यीकरण कार्य कए सेहो स्वीकृत केने अछि मुदा एखन धरि ओ जमीन पर नहि देखा रहल अछि। सौंदर्यीकरण क नाम पर मात्र किछु घाट क निर्माण भ सकल अछि आ आचार्य सुमन चौक लग एकटा द्वार बनाउल गेल अछि। एहन मे महत्‍वपूर्ण अछि जे माधेश्‍वर परिसर आ शुक्खी दिग्घी क बेहतर विकास तेज गति स कैल जाए आ दरभंगा कए प्रति सरकारक उदासीनता क आरोप धूमिल कैल जाए। एकर संगहि दूटा महत्‍वपूर्ण तथ्‍य पर गौर जरूर कैल जाए पहिल इ जे सौंदर्यीकरणक नाम पर महाराज शक्र सिंह द्वारा खोदाउल गेल पोखरी क आकार संग छोडछाड नहि कैल जाए, दोसर इ जे माधेश्‍वर परिसर मे बहुत एहन चिता अछि जाहि पर एखन धरि मंदिरक निर्माण नहि भ सकल अछि। सौंदर्यीकरणक नाम पर एहन चिता सब कए नष्‍ट नहि कैल जाए। ओकर सबहक संरक्षण क जरूरत अछि किया त ओ राज परिवार क धरोहर आ भावनात्‍मक महत्‍वक स्‍थल छी।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बदलत गाम क तकदीर

Esamaad Epaper Website

मुजफ्फरपुर मे बनत इंडोर स्टेडियम

Esamaad Epaper Website

कांग्रेसी नहि बंगाली कए समर्थन : नीतीश

Comments 3

  1. Dr. Shashidhar kumar says:
    13 years ago

    निक बात ।

    Reply
  2. Arun Kumar Jha says:
    13 years ago

    Apnek logain sa Agrah je Navka Panchang 2012-13 portal par seho Upload kari

    Reply
  3. Prakash Kumar Jha says:
    13 years ago

    Samaad ta neek, muda e kagate par rahat ke hakeekat me zameen par utarat se sandeh banal achhi.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि