• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

रिवर पुलिसिंग लेल नहि वोट अछि आ नहि जवान

May 19, 2010
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। बिहार सरकार जेतबा जल्दी घोषणा करैत अछि, ओतबा जल्दी ओहि घोषणा कए जमीन पर उतारबा मे सफल नहि भ सकल अछि। एकर एकटा कारण आधारभूत संरचनाक अभाव कए घोषणा करैत काल नजरअंदाज करब अछि। पिछला किछु मास पहिने बिहार सरकार घोषणा केलक जे नदी थाना खोलल जा रहल अछि। मुदा आब कहल जा रहल अछि जे एकरा लेल जे आधारभूत संरचना चाही ओ उपलब्ध नहि अछि। बिहार मे रिवर पुलिसिंग क खाका त तैयार भ गेल मुदा घोषणा करैत काल इ ककरो ध्यान नहि रहल जे ओकरा जमीन र नहि नदी मे उतारबाक अछि आ नदी मे उतारबा लेल मोटर बोट चाही। राज्य मे फिलहाल एहन बोट नहि अछि। कमाल क गप इ अछि जे बिहार सरकार कए इ तक नहि बुझल अछि जे जाहि वोट क इस्तेमाल रिवर पुलिसिंग क लेल होइत अछि ओ कतए बनैत अछि। लिहाजा बिहार सरकार आब बीएसएफ आ पश्चिम बंगाल क पुलिस स संपर्क करबाक फैसला केलक अछि जे एहन बोट क प्रयोग करि रहल अछि। बिहार सरकारक पदाधिकारी हिनका स पूछताह जे एहन मोटर बोट ओ कतए स डिजाइन करौलथि या कीनलथि अछि।
राज्य पुलिस मुख्यालय केन्द्रीय अर्धसैनिक बल आ दोसर राज्य क पुलिस स एहि लेल मदद आ सुझाव सेहो ल रहल अछि। राज्य क दियारा क्षेत्र मे विधि-व्यवस्था बनेबा लेल आ जल दस्यु पर नियंत्रण क लेल पांचटा रिवर पुलिस स्टेशन कए राज्य सरकार हरी झंडी देने अछि जखन कि एकटा कागज पर खुली चुकल अछि। मुदा पुलिस मुख्यालय पर बैसल एकटा पदाधिकारीक कहब अछि जे आधारभूत संरचना क विकास करब बहुत कठिन अछि, सबस पैघ जरूरत हाइटेक मोटर बोट अछि, जे एखनधरि हमरा सब लग नहि अछि। ओ कहला जे रिवर पुलिसिंग क लेल एहन बोट चाही जाहिमे करीब एक दर्जन लोक बैस सकए। संगहि नदी मे रात्रि गश्त क लेल पावरफुल लाइट आ अन्य उपकरण क जरूरत अछि। बिहार मे एहन बोट फिलहाल उपलब्ध नहि अछि।
पुलिस मुख्यालय एकटा आओर मसला पर परेशान अछि। रिवर पुलिसिंग क लेल तैराक जवान क जरूरत अछि। मुख्यालय मे एहन जवानक तलाश भ रहल अछि। बिहार क लेल रिवर पुलिसिंग क प्रयोग नव अछि आ सरकार क कोशिश अछि जे रिवर पुलिस स्टेशन मे तैनात जवान हर परिस्थिति स निबटबा मे सक्षम रहथि। रिवर पुलिसिंग क लेल हेलबा मे माहिर जवान क जरूरत सबस बेसी अछि। लिहाजा सैप मे शामिल थल सेना क रिटायर्ड जवान क भांति नौसेना क रिटायर्ड जवान कए सेहो शामिल करबाक कोशिश भ रहल अछि।
पुलिस मुख्यालय क अनुसार रिवर पुलिस स्टेशन मे तैनात जवान कए विशेष ट्रेनिंग देल जाएत। पुलिस स्टेशन मे तैनात जवान कए स्टॉफ क्वार्टर क सेहो सुविधा भेटत। संगहि बोट कए रखबा लेल अलग स व्यवस्था होएत।

Tags: Biharbihar government

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

मोबाइल काल डिटेल्स भेटब भेल आसान

Esamaad Epaper Website

छात्र नेता बनबा लेल चाही सर्वाधिक प्राप्तांक

Esamaad Epaper Website

विवि शिक्षक क सेवानिवृत्त क फैसला पर रोक

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि