मुजफ्फरपुर। रात्रि क समय कुहासा क कारण होबैवाला दुर्घटना कए रोकबा लेल रेलवे कड़ा कदम उठउलक अछि। एकरा तहत पूर्व-मध्य रेलवे सोनपुर मंडल स होकए जाए वाला सबटा मेल ट्रेन क इंजन मे एक-एकटा अधिकारी कए तैनाती कएल जा रहल अछि। ओ चालक कए सुरक्षा आ संरक्षा क संबंध मे जानकारी देएत रहत। सोनपुर मंडल क डीआरएम आरके अग्रवाल क अनुसार दू स पंद्रह जनवरी तक रात्रि दस बजे स सुबह आठ बजे तक प्रत्येक मेल ट्रेन मे रेलवे क एक टा अधिकारी इंजन मे चालक क संग रहत। अधिकारी चालक कए संरक्षा क जानकारी देएत। संगे एकर निगरानी करत जे कुहासा मे रेलवे क निर्धारित मानक क मुताबिक चालक ट्रेन कए चला रहल अछि किनहि। ओ चालक क हर गलती पर नजर रखत। अग्रवाल कहलथि जे ट्रेन चालक कए सेहो विशेष सतर्कता बरतेबाक लेल कहल गेल अछि। संगे अधिक कुहासा हेबा पर निर्धारित गति सीमा स ट्रेन कए चलेबाक हिदायत देल गेल अछि। एकर निगरानी क लेल मंडल मे तीन टा स्पेशल टीम गठित कएल गेल अछि, जे रात्रि क दौरान कोनो ट्रेन क गति सीमा, रेल नियम क अनुपालन संग संरक्षा कए ल कए विभिन्न पहलु कए औचक निरीक्षण करत।