अंतर्राष्ट्रीय खानपान महोत्सव मे जीतलक बेस्ट क्रिटिक अवार्ड पटना । बिहार क लोकप्रिय व्यंजन लिट्टी सिंगापुर मे चलि रहल अंतर्राष्ट्रीय खानपान महोत्सव मे अपन स्वाद क लोहा मनबा लेलक। समीक्षक मंडली लिट्टी पर लड्डू होइत एकरा बेस्ट क्रिटिक अवार्ड स सम्मानित केलथि अछि। सिंगापुर मे चलि रहल दस दिन क एहि महोत्सव क छठम दिन पटना क अशोक शाह क नाम जखन बेस्ट क्रिटिक अवार्ड लेल घोषित कैल गेल त ओहि ठाम उपस्थित बिहार मूल क करीब 200 गोटे आ भारतीय टीम क लोक खुशी स नाचए लगलाह। दुनिया भरि क एक स एक लजीज व्यंजन क बीच भारतीय पकवान कए पुरस्कार भेटला स उत्साहित इ सब महोत्सव मे भारत क नारा ‘आइये, आइये भारत के स्ट्रीट फूड आजमाइये’लगेलाह। ज्ञात हो जे पटना मे गांधी मैदान लग बिस्कोमान टावर क सामने रेहड़ी लगेनिहार शाह क स्टाल पर शाही लिट्टी बिका रहल अछि, जेकरा दुनिया भरि स आयल लोक चटखारा ल कए खा रहल छथि। भारतीय टीम क नेतृत्व क रहल रेहड़ी पटरी क राष्ट्रिय संगठन नेशनल एसोसिएशन आफ स्ट्रीट वेंडर्स आफ इंडिया (नासवी) क अंतर्राष्ट्रीय समन्वयक अरबिंद सिंह कहला अछि ले लिट्टी क स्टॉल पर पैघ संख्या मे लोक आबि रहल छथि। उल्लेखनीय अछि जे नासवी दिस स पिछला दिसंबर मे दिल्ली मे आयोजित तीन दिन क स्ट्रीट फूड फेस्टिवल मे शाह करीब डेढ लाख टकाक कारोबार केने छलाह आ हुनका पहिल पुरस्कार भेटल छल। सिंगापुर पर्यटन बोर्ड आ रेहडी -पटरी संघ क एहि आयोजन मे चीन के नूडल्स मी सियाम, फेनांग रोजाक, मलेशिया क आसाम लक्सा, मेक्सिको क तोस्तादा आ फिश टाको, अमेरिका क केकडा क बर्गर , वियतनाम क बान्ह खोत बान्ह झियो , वियतनाम क चुओई नुआंग आ सिंगापुर क वी नाम क, पुलु मयाम, अप्पम, रोजाक आ चेंग थग कए सिंगापुरी आ दुनिया क अन्य हिस्सा स आयल लोक रसास्वादन क रहल छथि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa