एक करोड टका स होएत सौंदर्यीकरण, कमला नेहरू पुस्तकालय मे सेहो लागत एसी
दरभंगा । नगर भवन (टाउन हॉल) क जीर्णोद्धार होएत। 1934 क दरभंगा सिटी प्लान क तहत बनल टाउल हॉल क हालत बहुत खराब अछि, मुदा सरकार एकरा सुंदर आ आधुनिक बनेबा लेल तैयार भ गेल अछि। नगर आयुक्त कुमार विनोद नारायण सिंह क कहब अछि जे करीब एक करोड टका स एकरा वातानुकुलित कैल जाएत। ओ कहला जे नगर भवनक सौंदर्यीकरण लेल ओ काफी दिन स प्रयासरत छलाह, मुदा आब जा कए नगर विकास एवं आवास विभाग क सचिव एस सिद्धार्थ नगर भवन कए सौंदर्यीकरण लेल एक करोड़ आ एकर संगहि लहेरियासराय स्थित कमला नेहरू पुस्तकालय क सौंदर्यीकरण लेल 50 लाख टका देबाक आश्वासन देलथि अछि। एही स प्रतीत होइत अछि जे कई वर्ष स उपेक्षित शहर क एहि दूनू ऐतिहासिक धरोहर क कायाकल्प भ जाएत।
नगर आयुक्त श्री सिंह कहला जे नगर भवन (टाउन हॉल) आ ओकर मंच क कात में स्थित दूनू कोठली कए वातानुकूलित (एसी) कैल जाएत। हॉल मे स्थायी कुर्सी अत्याधुनिक ढंग स लगाउल जाएत। मंच क बायां कातवाला कोठली वीआइपी आ दाहिना कातवाला कोठली कए ड्रेसिंग रूम लेल विकसित कैल जाएत।
एहि दूनू कोठली स सटल बाथरूम सेहो अत्याधुनिक ढंग क बनाउल जाएत। संगहि नगर भवन क उत्तर आ दक्षिणी भाग कए खाली जमीन कए विकसित क दीवार स सटल छह फीट मे उद्यान आ शेष भाग कए पार्किग लेल विकसित कैल जाएत।
ओ कहला जे नगर भवन क सामने लागल डॉ राजेंद्र प्रसाद क मूर्ति क स्थान पर नवका प्रतिमा लगाउल जाएत जेकर ऊपर छतरी होएत आ पूरा परिसर कए ऐना विकसित कैल जाएत जे लोककए इ एकटा पार्क जेकां लागए। ओ कहला जे कोनो कार्यक्रम क दौरान बिजली क समस्या स निपटबा लेल नगर भवन लग अपन 20 केवी क जेनेरेटर होएत जेकर खरीदे एहि योजना क तहत होएत। ओ कहला जे 50 लाख क लागत स कमला नेहरू पुस्तकालय क सभा भवन कए सेहो वातानुकूलित बनाकए अत्याधुनिक सुविधा स लैस कैल जाएत। ओ कहला जे सरकार कए प्राक्कलन पठा देल गेल अछि आ एकर स्वीकृति भेटला पर टेंडर क प्रक्रिया शुरू कैल जाएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर