बीस करोड़क लागत स हाजीपुर मे बनत अत्याधुनिक सुविधा स सुसज्जित कार्यालय
पटना । परिवहन मंत्री वृषण पटेल क गृहजिला वैशाली मे विभाग क सबस पैघ आ आधुनिक कार्यलय बनत। एहि कार्यालय क निर्माण पर लगभग बीस करोड़ टका खर्च कैल जाएत। एहि संबंध मे परिवहन मंत्री कहला जे हाजीपुर मात्र हुनक गृह जिला नहि छी बल्कि इ बहुत महत्वपूर्ण जगह अछि। इ उत्तर बिहार क गेटवे छी। ताहि लेल परिवहन विभाग लेल एकर अलग महत्व अछि। ओ कहला जे ओ हाजीपुर क रहनिहार जरूर छथि आ एकर विकास लेल प्रयासरत छथि मुदा सबस बेसी महत्वपूर्ण गप इ अछि जे विभाग लेल एहि ठाम पैघ कार्यालय खोलब राजस्व क दृष्टि स काफी फायदेमंद अछि। ओ कहला जे एहि ठाम स सब दिन कई हजार गाडी गुजरैत अछि। ओ कहला जे उत्तर बिहार समेत दोसर प्रदेश स एहि ठाम आबि रहल गाडी सबहक चेकिंग समेत अन्य व्यवस्था आ खास क राजस्व वसूली कए ध्यान मे राखि कए हाजीपुर मे कार्यालय निर्माण क निर्णय लेल गेल अछि। संगहि इ जिला राजधानी पटना स सटल अछि। एहि ठाम विभाग बहुत स्कोप देख रह अछि।
प्रस्तावित कार्यालय क संबंध मे ओ कहला जे हाजीपुर मे प्रस्तावित परिवहन विभाग क कार्यालय अत्याधुनिक सुविधा स सुसज्जित होएत। एकरा लेल राशि क कोनो कमी नहि होएत, जेतबा राशि क जरुरत होएत विभाग उपलब्ध करेबाक लेल तैयार अछि। ओ कहला जे प्रस्तावित कार्यालय देशक कोनो आन राज्यक परिवहन विभाग क कार्यालय स बेसी सुविधाजनक होएत। ओ कहला जे हुनकर योजना अछि जे हाजीपुर मे परिवहन विभाग क एहन भवन तैयार कैल जाए जाहि ठाम एकटा छत कनीचा सबटा सुविधा उपलब्ध भ जाए। विभाग स संबंधित कोनो सेवा लेल लोक कए आन ठाम जेबाक मजबूरी खत्म भ जाए। एकरा लेल जेतबा राशि क जरुरत होएत, परिवहन विभाग देबा लेल तैयार अछि।
ओ कहला जे निश्चित रूप स एहि प्रस्तावित कार्यालय लेल पैघ भू-भाग क आवश्यकता अछि, जेकर प्रबंध एखन धरि नहि भ सकल अछि। जमीन लेल डीएम स कहल गेल अछि। जहिना जमीन भेट जाएत तहिना भवन निर्माणक प्रक्रिया शुरू क देल जाएत। ओना पटेल कहला अछि जे सर्किट हाउस क बगल मे जमीन देखल गेल अछि। डीएम स्तर पर आवश्यक प्रक्रिया पूरा कैल जा रहल अछि। जमीन उपलब्ध भेलाक बाद तुरंत एकर प्राक्कलन बनवा कए राशि उपलब्ध करा देल जाएत।
परिवहन मंत्री कहला जे हाजीपुर लेल हुनक दिमाग मे बहुत रास योजना अछि। दिल्ली स नोएडा जेकां हाजीपुर स पटना क बीच सेहो लो-फ्लोर बस सेवा शुरू कैल जाएत, मुदा तत्काल इ संभव नहि अछि। गांधी सेतु पर डायवर्सन एहि मे बाधक बनल अछि। सेतु पर मरम्मत क काज पूरा भेला पर हाजीपुर स पटना क बीच लो-फ्लोर बस सेवा शुरू क देल जाएत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa