• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

छह स शुरू होएत वायुसेवा, 79 साल बाद पूरा भेल मैथिलक सपना

October 26, 2012
in समाचार
A A

करीब 35 मिनट तक पूर्णिया क आसमान मे उडल विमान, नौटा पत्रकार उडबाक लेलथि आनंद

पूर्णिया। बिहारक धरती पर सबस पहिने कोनो विमान 1933 मे पूर्णिया क लालबाबू मैदान मे उतरल छल। 1933 मे पूर्णिया क लोक आसमान मे उडबाक सपना देखने छल। पूर्णियाक जमीन स उडबाक ओ सपना 79 साल बाद पूरा भ रहल अछि। कोनो तीन दशक पूर्व सेहो एहन प्रयास भेल छल, मुदा ओ असफल रहल। सब किछु ठीक रहल त छह नवंबर स पूर्णिया क लोक अपन धरती स आसमान छूबि सकताह। एकर सबटा तैयारी पूरा भ गेल अछि। एहि विमान सेवा क शुरू भेला स मिथिला क एहि पूर्वी हिस्‍सा स पटना आ कोलकाता क दूरी सिमट कए रहि जाएत। जतए एखन पूर्णिया स पटना जेबा मे रेल मार्ग या सडक मार्ग स आठ घंटा स बेसी लगैत अछि आ देरी विमान स महज पचास मिनट मे तय भ जाएत। एकर सफल संचालन लेल पूर्णिया मे फ्लाइट सेवा क डेमो उड़ान 25 अक्तूबर कए दिन क 2.05 बजे भेल। विमान 2.10 बजे टेकऑफ केलक आ करीब 35 मिनट क बाद घुरी आयल। दस सीटर स्प्रिट एयरवेज क विमान एहि विमान मे पूर्णिया क नौटा पत्रकार सवार छलाह। चूनापुर वायु सेना स्टेशन (लालबाबू मैदान) स विंग कमांडर विश्‍वजीत कुमार सिंह आ स्प्रिट एयरवेज क जेनरल मैनेजर आर सक्सेना डेमो फ्लाइट कए सीऑफ आ रिसीव केलथि। एहि विमान क पायलट प्रदीप कुमार छथि।
एहि अवसर पर विंग कमांडर विश्‍वजीत कुमार सिंह कहला जे छह नवंबर स प्रारंभ भ रहल इ सेवा पहिने सप्ताह मे दू दिन उपलब्ध होएत, मुदा जल्द एकरा सप्ताह मे तीन दिन कैल जाएत। दस सीटर स्प्रिट ऑफ इंडिया विमान कोलकाता, पूर्णिया आ पटना क बीच चलत आ पुन: पटना स पूर्णिया होइत कोलकाता तक जाएत। ओ कहला जे समय पर एखन अंतिम फैसला नहि लेल गेल अछि। एहि मौका पर आयोजित समारोह मे पूर्णिया क प्रमंडलीय आयुक्त ब्रजेश मेहरोत्रा, जिलाधिकारी डॉ एन सरवण कुमार, स्प्रीट एयर क जीएम आर सक्सेना, पायलट कैप्टन पटेल, कैप्टेन शर्मा सहित वायु सेना स्टेशन क कईटा पदाधिकारी मौजूद छलाह।

50 मिनट मे पहुंचब पटना
पूर्णिया स पटना जेबा मे 50 मिनट आ कोलकाता जेबा मे एक घंटा 15 मिनट क समय लागत। पूर्णिया स शुरू भ रहल वायु सेवा लेल टिकट आ सेवा क प्रबंधन डीटीडीएस ट्रेवल एंड टूर प्लानर क रहल अछि। एकर अलावा निजी कमीशन एजेंट द्वारा सेहो टिकट उपलब्ध कराउल जाएत।

किराया

पूर्णिया स पटना क किराया 3,495 आ कोलकाता क 3,995 होएत।

टिकट क सुविधा

टिकट क सुविधा पूर्णिया क अलावा कटिहार, किशनगंज, अररिया आ जोगबनी स सेहो उपलब्ध होएत। दिल्ली, मुंबई, बेंगलुरू, चेत्रई आ हैदराबाद स सेहो लिंक सेवा उपलब्ध होएत। यात्री लेल चूनापुर वायु सेना स्टेशन क गेट क निकट यात्री जांच केंद्र होएत आ ओहि ठाम स रनवे तक कंपनी द्वारा गाड़ी क व्यवस्था रहत।
टिकट लेल पूर्णिया मे संदीप 9304781413, पटना मे प्रवीण 8294594547, कोलकाता मे श्यामल 9831459656, बेंगलुरू मे रूपक 9845325826, पटना मे 0612 2227047 कोलकाता मे 033-32023792 स संपर्क क सकैत छी। विशेष जानकारी लेल कंपनी साइट सेहो अछि जेकर पता अछि- डब्ल्यू डब्ल्यू डब्ल्यू डॉट डीटीडीएसइंडिया डॉट काम।

http://www.esamaad.com/regular/2012/08/10746/

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

राष्ट्रीय औसत क बराबरी केलक बिहार

Esamaad Epaper Website

बनमनखी-पूर्णिया रेलखंड क बीच 21 स मेगा ब्लॉक

सबस पैघ खुलासा: आखिर केकर छी नरगौना पैलेस

Comments 3

  1. साकेत says:
    13 years ago

    बहुत बहुत बधाई, मुदा भाडा कनि बेसी अछि।

    Reply
  2. Prakash Kumar Jha says:
    13 years ago

    Bahut neek samaad. Darbhanga sa seho biman seva suru hebak chahi.

    Reply
  3. dr dhanakar thakur says:
    13 years ago

    neek muda bhada prohibitive achhi je north east janka subsidized karebak prayas ho.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि