नयी दिल्ली । पूसा जैविक कृषि शोध संस्थानक स्थान पर स्थापित कैल गेल राजेंद्र कृषि विश्वविद्यालय एहि सालक अंत तक सेंट्रल यूनिवर्सिटी बनि जाएत। केंद्रीय कृषि मंत्री राधामोहन सिंह कहला अछि जे ओना त एहि संस्थान कए केंद्रीय संस्थान बनेबाक सैद्धांतिक मंजूरी 2009 मे देल जा चुकल अछि, मुदा एहि सालक अंत तक एकर हस्तानांतरण क प्रक्रिया पूरा क लेल जाएत। श्री सिंह कहला अछि जे केंद्र एहि संस्थान पर अगिला पांच साल मे करीब 100 करोड टका खर्च करत जेकर आवंटन एहि साल शुरु क देल जाएत। श्री सिंह कहला जे एहि संबंध में हुनकर बिहारक मुख्यमंत्री स तीन बेर वार्ता भ चुकल अछि आ केंद्र आ राज्य सरकारक अधिकारी सेहो कई बेर बैसार केलथि अछि। किछु तकनीकी मामला फंसल छल, जेकरा दूर कैल गेल अछि आ बहुत जल्द एहि संस्थान कए केंद्रीय दर्जा प्रदान क देल जाएत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa