• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सिविल सेवा परीक्षा मे बिहारक रहल जलवा, मैथिली देखेलक दम

May 4, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नई दिल्ली। संघ लोक सेवा आयोग (यूपीएससी) द्वारा लेल गेल प्रतिष्ठित सिविल सेवा परीक्षा मे एक बेर फेर बिहार क जलवा देखल गेल। जखन कि मैथिली भाषा कए विषय बनेनिहार सेहो पताका फहरेबा मे पाछु नहि रहलाह। ओना शीर्ष दूटा स्थान एक बेर फेर महिला उम्मीदवार क झोडी मे गेल। इ लगातार दोसर साल रहल जखन एहि परीक्षा मे महिला प्रथम आ द्वितीय टॉपर रहलथि।
यूपीएससी द्वारा आइ घोषित परिणाम क अनुसार शेना अग्रवाल परीक्षा मे पहिल स्थान हासिल केलथि अछि। ओ अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्थान (एम्स) स बैचलर ऑफ मेडिसिन एंड बैचलर ऑफ सर्जरी (एमबीबीएस) क पढाई केने छथि। ओतहि, टाटा इंस्टीट्यूट ऑफ सोशल साइंसेज स सामाजिक उद्यम मे स्नातकोत्तर क पढाई क चुकल रुक्मिणी रायर दोसर स्थान हासिल केलथि अछि। ज्ञात हुए जे पिछला साल एस दिव्यदर्शिनी पहिल आ श्वेता मोहंती दोसर स्‍थाप पर रहथि। एहि बेर आईआईटी दिल्ली स एमटेक क डिग्री लेनिहार प्रिंस धवन तेसर स्थान हासिल केलथि अछि। जखन कि परीक्षा मे मैथिली कए मुख्‍य विषय बनेनिहार मे स दरभंगाक सौरव झा सूची मे स्‍थान प्राप्‍त केलथि अछि। बिहारक पल्‍लव गोपाल झा (93) समेत कईटा उम्‍मीदवार एहि परीक्षा मे सफलता हासिल केलथि अछि। कार्मिक आ प्रशिक्षण विभाग दिस स जारी विज्ञप्ति क अनुसार 910 उम्मीदवार क अंतिम रुप स चयन कैल गेल अछि। एहि मे स 715टा पुरुष आ 195टा महिला छथि। हिनका लोकनिक चयन भारतीय प्रशासनिक सेवा, भारतीय विदेश सेवा, आ भारतीय पुलिस सेवा समेत विभिन्न केंद्रीय सेवा मे नियुक्ति लेल कैल गेल अछि।
शीर्ष 25 उम्मीदवार मे स 13टा दिल्ली मे परीक्षा देलथि जखनकि जयपुर मे तीन, मुंबई आ चंडीगढ मे दू-दू, हैदराबाद, चेन्नई, दिसपुर, पटना आओर जम्मू केंद्र पर एक-एक उम्मीदवार परीक्षा मे बैसल छलाह। परीक्षा क नतीजा सफल उम्मीदवार क वितरण मे अखिल भारतीय तस्वीर पेश करैत अछि। आंध्र प्रदेश, असम, बिहार, छत्तीसगढ, दिल्ली, हरियाणा, जम्मू कश्मीर, झारखंड, केरल, मध्य प्रदेश, महाराष्ट्र, पंजाब, राजस्थान, तमिलनाडु, उत्तराखंड आ उत्तर प्रदेश क स्थायी निवासी उम्मीदवार शीर्ष 25 मे स्थान हासिल केलथि अछि। सिविल सेवा प्रारंभिक परीक्षा -2011 क आयोजन 12 जून कए भेल छल। कुल चार लाख 72 हजार 290 परीक्षार्थी परीक्षा लेल आवेदन केने छल, जाहि मे स दू लाख 43 हजार 03 परीक्षार्थी परीक्षा मे बैसलाह। 11 हजार 984 उम्मीदवार कए मुख्य परीक्षा लेल सफल घोषित कैल गेल छल। मुख्य परीक्षा क आयोजन अक्तूबर नवंबर 2011 मे कैल गेल छल। एहि स 2417 उम्मीदवार क साक्षात्कार लेल चयन कैल गेल छल। साक्षात्कार क आयोजन मार्च-अप्रैल 2012 मे कैल गेल छल। एहि बेर 41 गोटे मुख्‍य परीक्षा मे मैथिली कए विषय क रूप मे लेने छलाह, जाहि मे स 11 गोटे कए साक्षात्‍कार लेल चुनल गेल छल। अंतिम परिणाम क आंकडा एखन नहि सामने आयल अछि मुदा मैथिली विषय रखनिहार सौरव झा सूची मे स्‍थान लेलथि अछि।

शीघ्र पढू इसमाद पर सौरव झा स साक्षात्‍कार…….

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

मातृभाषा भविष्‍य क निर्माण करैत अछि : सौरभ

Esamaad Epaper Website

आतंकी बता दरभंगा स फेर उठा लेल गेल युवक, नीतीश जतेलाह आपत्ति

Esamaad Epaper Website

बाढ थर्मल स भेटत आधा बिजली

Comments 1

  1. Prakash Kr. Jha says:
    13 years ago

    Saurabh ji ke bahut-bahut badhaai, Maithili vishay rakhnihaar anya pratiyogi sabh ke seho badhhai a dhanyabaad.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि