• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सूखाइत सीतामढ़ी क जमीन पर फेर उतरल एकटा हल

April 23, 2016
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

भूजल संचयन लेल एक दिन मे बनाओल गेल 2168 सोक पिट
26 करोड़ लीटर पानि‍ क होएत संचयन

DM-5पटना । पानी, सूखा, आ अकालक दंश झेल चुकल सीतामढ़ी मे हलक सूखबा से पहि‍ने जल संचय क हल जमीन पर उतारि‍ देल गेल अछि । महाराष्ट्र क लातूर क तसवीर देखि‍ एतय क लोग भूगर्भ जल संरक्षण क दिशा मे एतिहासिक पहल केने अछि । जिलाधिकारी राजीव रौशन क नेतृत्व मे जिलाक लोग एक दिन मे करीब 2168 सोख्ता (सोक पिट) क निर्माण केने छथि‍, जाहिमे पांच जल एक्सप्रेस लायक पानि‍ एक साल मे संचय भए सकत । सूखा आओर अकालक डर एतय क लोग मे कतेक पैघ अछि एकर अंदाजा एहि स लगाओल जा सकैत अछि जे 20 दिन क कसरत क बाद जिलाक 1950 सरकारी, 50 निजी स्कूल क अलावा 40 मदरसा, 40 आंगनबाड़ी केंद्र आ अन्य संस्थान मे आम लोगक सहभागिता स सोख्ता क निर्माण कराओल गेल अछि । गुरुवार कए एक संग जिला मे बनल सभटा सोख्ता क उपयोग मे आनल गेल । एक दिन मे करीब 2168 सोख्ता (सोक पिट) क उपयोग अपना आप मे एकटा रिकॉर्ड अछि । जिला क एहि उपलब्धि कए देखबा क लेल खुद सीतामढ़ी पहुंचल तिरहुत क आयुक्त अतुल प्रसाद कहलथि‍ जे 12 स 15 लीटर पानि‍ संचय करनिहार एहि सोख्ता स साल मे एतेक पानि‍ संचय होएत, जे एक नहि‍ बल्कि पांचटा ट्रेन मे पानि लातूर भेजल जा सकैत अछि । ओ कहलथि‍ जे भूगर्भ जल संरक्षण क दिशा मे उठाओल गेल इ कदम आन राज्य वा जिला क लेल एकटा मिसाल बनि‍ गेल अछिे । ई पहि‍ल बेर अछि जे जखन बिहारे टा नहि‍ देश मे एहि प्रकारक जल संरक्षण क प्रयास कैल गेल अछि । ओ कहलथि‍ एकरा गिनीज बुक ऑफ वल्र्ड रिकार्ड मे सेहो शामिल करेबाक लेल प्रयासरत छी ।

अभियान के प्रनेता सीतामढ़ी क जिलाधिकारी राजीव रौशन कहलथि‍ जे ई पहल जिलाक लोग कए सामूहिक प्रयास क परिणाम अछि । भारत सरकार क स्वच्छ भारत मिशन आओर राज्य सरकार क लोहिया स्वच्छता मिशन क तहत जल निकासी क समुचित प्रबंध आओर भूजल स्तर कए रिचार्ज करबाक लेल एहि पहल क शुरुआत कैल गेल अछि । ओ कहलथि‍ जे काल्हि‍ तक पैघ मात्रा मे पानि‍ एतय बर्बाद भए जाएत अछि । सोख्ता क निर्माण स आब पानि‍क संरक्षण होएत । एकटा स्कूली बच्चा जों काल्हि‍ तक दू लीटर पानि‍ बर्बाद करैत छी, त आय स ओहि पानि‍क बचत शुरू भए गेल । एहि सोक पिट क माध्यम स गंदगी क कारण फैलय बला रोगों पर सेहो अंकुश लागत । स्कूल स शुरू होए बला एहि पहल क कारण एकर सीधा प्रभाव बच्चा पर होएत आओर ओहिक माध्यम स जल संरक्षण आओर स्च्छता क संदेश जन जन तक पहुंचत । ओ कहलथि‍ जे एहि सोख्ता स जिला मे हरेक साल करीब 26 करोड़ लीटर जल संरक्षित कैल जाएत, जाहि क लेल अलग से कोनो राशि क आवंटन नहि‍ केल गेल अछि । ओ कहलथि‍ जे कृषि, शिक्षा आ पीएचइडी विभाग मे आपसी समन्वय स्थापित कए एक अप्रैल स सोख्ता निर्माण क प्रशिक्षण शुरू कराओल गेल । जगह-जगह कार्यशाला भेल। आम लोग क मदद क संग संग यूनिसेफ एहिमे हमरा तकनीकी सहायता उपलब्ध करोलथि‍ । ओ कहलथि‍ जे ग्रामीण इलाका मे पीबाक पानि क रूप मे 85 प्रतिशत भूजल क इस्तेमाल होएत अछि। विगत कि‍छु साल मे जिला क भूजलस्तर मे गिरावट आएल अछि, मुदा ओ खतरनाक स्तर पर नहि‍ अछि।

Tags: भूजल संरक्षणसीतामढ़ी

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

डीडी बिहार पर भारत एक खोज आब मैथिली में

पंजी व्यवस्था क होए डिजीटलीकरण – दिवाकर

यूपीएससी मे सफलताक कुंजी भेल मैथिली

Comments 1

  1. Niraj Kumar Jha says:
    9 years ago

    bahut khushi ke baat achhi

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि