• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सेन हेताह नालंदा अंतर्राष्ट्रीय विश्वविद्यालय क प्रथम कुलाधिपति

July 21, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। नालंदा अंतरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय क प्रथम कुलाधिपति (चांसलर) नोबेल पुरस्कार विजेता आ अर्थशास्त्री अमर्त्य सेन हेताह। नालंदा अंतरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय लेल गठित गवर्निंग बोर्ड क सदस्य आ सिंगापुर क पूर्व विदेश मंत्री जार्ज यियो घोषणा केलथि जे अमर्त्य सेन कए विश्वविद्यालय क प्रथम चांसलर क रूप मे नियुक्त करबा क मंजूरी भेटल गेल अछि। ओ कहला जे भारत क राष्ट्रपति प्रतिभा पाटिल अमर्त्य सेन कए विश्वविद्यालय क कुलाधिपति नियुक्त करबा क मंजूरी द देलथि अछि। एकर संगहि नालंदा अंतरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय गवर्निंग बोर्ड क भेल बैसार मे परियोजना रिपोर्ट, कनेक्टिविटी, शिक्षक क भर्ती आदि विषय पर चर्चा भेल। बैसार मे दूटा नव विद्यापीठ क शुरूआत जुलाई, 2013 स करबा पर सहमति सेहो बनल। गवर्निंग बोर्ड क बैसार क बाद अमर्त्य सेन आओर प्रोफेसर सौगत बोस कहला जे विश्वविद्यालय क दूटा नव विद्यापीठ जुलाई 2013 स शुरू भ जाएत। सेन कहला जे पहिल दूटा विद्यापीठ क रूप मे स्कूल आफ हिस्टोरिकल स्टडीज आ स्कूल आफ इकोलाजी एंड इनवायर्नमेंटल स्टडीज मे अध्यापन शुरू भ जाएत। प्रत्येक स्कूल मे स्नातकोत्तर डिग्री कए 100-100 टा छात्र हेताह। बोस कहला जे प्रत्येक विद्यापीठ मे 13-13टा शिक्षक नियुक्त हेताह। सबटा शिक्षक क नियुक्ति आ हुनकर वेतनमान दक्षिण एशियाई विश्वविद्यालय (सार्क यूनिवर्सिटी) क मानदंड क अनुरूप होएत।
दोसर दिस मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे नालंदा अन्तरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय मे स्कूल ऑफ इकोनॉमिक्स आ बेसिक साइंस क संकाय खोलल जाए। एक अणे मार्ग स्थित मुख्यमंत्री आवास पर नालंदा अन्तरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय नियंत्रण परिषद क सदस्‍य क संग एकटा शिष्टाचार बैसार क दौरान नीतीश कहला जे स्कूल ऑफ इकोनॉमिक्स आ बेसिक साइंस क संकाय खुलबाक चाही। एहि बैसार मे नालंदा अन्तरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय नियंत्रण परिषद क सदस्‍य प्रोफेसर अमर्त्य सेन, जार्ज यो, प्रोफेसर सुसुमू नाकानिशि, प्रोफेसर वांग वांगवे, लार्ड मेघनाद देसाई, प्रोफेसर सुगाता बोस, प्रोफेसर तानसेन सेन आओर डॉ. गोपा सब्बलरवाल शामिल छलथि।
लगभग एक घंटा तक चलल एहि शिष्टाचार भेंट क दौरान नालंदा अन्तरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय क विभिन्न पहलु पर गंभीरता स विचार कैल गेल आ एहि विश्वविद्यालय क भविष्य क स्वरूप पर सेहो गप भेल। मुख्यमंत्री नालंदा अन्तरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय क निर्माण कार्य कए शीघ्र प्रारंभ करबाक आवश्यकता पर बल देलथि। एहि बैसार मे शिक्षा मंत्री पीके शाही, सांसद एनके सिंह, मुख्य सचिव नवीन कुमार, विकास आयुक्त एके सिन्हा आ शिक्षा विभाग क प्रधान सचिव अमरजीत सिन्हा सेहो उपस्थित छलाह।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

सुधीर सन अधिकारी लेल अधीर होइत बिहार

Esamaad Epaper Website

तेल तकबा लेल फेर कोरल जाएत मिथिलाक धरती

Esamaad Epaper Website

नदी जोडबा लेल भ रहल डीपीआर तैयार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि