पटना । कृषि विभाग जैविक खेती कए बढ़ावा देबा लेल नव पहल केलक अछि। राज्य क प्रत्येक जिला स एकटा गाम क चयन करि लेलक अछि। एहि ठाम जैविक गाम घोषित करि 12 सूत्री कार्यक्रम आयोजित कैल जाइत। जैविक गामक लेल पटना जिला क बाढ़ प्रखण्ड अन्तर्गत दहौर गांव क चयन कैल गेल अछि। एकर संग-संग नालन्दा जिला अन्तर्गत नूरसराय प्रखण्ड क मुजफ्फरपुर आ भोजपुर क गुलजारपुर शामिल अछि। चयनित जैविक गाम मे बक्सर क हेमदापुर,रोहतास क सिंगुही, कैमूर क दूबे का सरैया, गया क घटाडीह, अरवल क कयाल, जहानाबाद क नरायणपुर, नवादा क परतोकरहरी, सारण क पंडितपुर, सीवान क जसौजी खूर्द, गोपालगंज क बेलसंड, मुजफ्फरपुर क गायघाट जाता, पूर्वी चम्पारण क सरया बदुराहा, पश्चिमी चम्पारण क रूलही, सीतामढ़ी क अदखन्नी, शिवहर क कोछिया, वैशाली क राजापाकड़, खगडिय़ा क चंदरनगर, कटिहार क सिरसा, मधेपुरा क राजगंज, किशनगंज क गोपालपुर, पूर्णिया क सहसौल, सुपौल क वैसी, सहरसा क कपस्या, लखीसराय क लय, जमुई क पतौना, शेखपुरा क सादिकपुर, बांका क हेटचादन, मुंगेर क खुदिया, भागलपुर क इब्राहिमपुर, बेगूसराय क गाड़ा, समस्तीपुर क केवटा, मधुबनी क कपरिया, दरभंगा क गौसाडीह आओर अररिया क नरपतगंज शामिल अछि। कृषि मंत्री रेणु कुमारी कुशवाहा क अनुसार समस्तीपुर जिला अन्तर्गत ताजपुर प्रखण्ड क जैविक गांव कोठिया कए आदर्श जैविक गाम मानैत एहि गाम क चयन भ्ेल अछि। कृषि विभाग द्वारा जैविक गाम मे 15 स 17 फरवरी तक एक दिवसीय जागरुकता कार्यक्रम क आयोजन होएत। एकर दायित्व जिला उद्यान पदाधिकारी कए सौंपल गेल अछि।