• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

65 दिन मे 55 मील पटरी बिछा देने छल तिरहुत रेलवे : डीआरएम

March 29, 2019
in समाचार
43
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021

सावित्री कुमरी
पटना । समस्तीपुर मंडल क डीआरएम आरके जैन कहला अछि जे उत्तर बिहार मे रेलवे क शुरुआत करबाक श्रेय दरभंगा राज कए जाइत अछि। एहि ठामक तत्कालीन महाराज अपन रियासत क विकास लेल रेलवे चलेबाक
निर्णय लेलथि आ रेलवे लेल जाहि ठाम जेतबा जमीनक आवश्‍यकता भेल उपलब्‍ध करौलथि। श्री जैन कहला जे ओहि समय में रेलवे छोट-छोट कंपनी चलबैत छल आ एहि इलाका मे तिरहुत रेलवे नामक कंपनी रेलवे क परिचालन करैत छल, जेकर बाद मे भारत सरकार अधिग्रहण क
पूर्वोत्तर रेलवे मे समाहित क देलक।
श्री जैन गुरुवार कए इसमाद फाउंडेशन दिस स आयोजित आचार्य रमानाथ झा हैरिटेज सीरीज क तहत दरभंगा क गांधी सदन में कृष्ण प्रसाद बैरोलिया मेमोरियल लेक्चर द रहल छलाह। आजादी स पूर्व मिथिलाक विकास मे रेलवे क योगदान पर व्‍यख्‍यान दैत श्री जैन कहला जे महाराज क प्रयास स 18 फरवरी, 1874 कए पटना जिला क बाढ़ स दरभंगा तक 55 मील रेल लाइन बिछेबाक शुरुआत भेल। इ काम 15 अप्रैल 1874 कए पूरा क लेल गेल।
एहि रेल लाइन कए बनेबाक जिम्‍मा रेल इंजीनियर एरफेस स्ट्रेंटम ने देल गेल छल। श्री जैन कहला जे भारतीय रेलवे क इतिहास मे दरभंगा तक रेल इंजन पहुंचबाक गति एकटा रिकार्ड अछि और आजुक दिन सेहो रेलवे क दुनिया मे ओकरा गुड वर्क नहि बल्कि गॉड वर्क कहल जाइत अछि। एकर पाछु कारण इ अछि जे एतबा तेज गति स एहि ठाम काज भेल छल
जेकर कल्‍पना तक आजुक समय मे संभव नहि अछि। श्री जैन कहला जे 10 फरवरी 1874 कए विस्टर्न स्टिंग्सन लग एकटा पत्र आयल, जाहि मे लिखल छल जे ओ अपन इंजीनियर्स, घोड़ा, मजदूर आ बाकी सामान क संग बाढ़ पहुंचू। अहां कए 44 माइल लंबा वाजितपुर दरभंगा रेलखंड क निर्माण करबाक अछि। विस्टर्न स्टिंग्सन अगिला दिन सब अधिकारी क संग बाढ़ पहुंचलाह। 19 फरवरी कए सबटा सामान पहुंचल। मिस्टर स्टिंग्सन एलाइन्‍मेंट करैत गेलाह हुनकर पाछु करीब करीब 1000 स बेसी मजदूर
पटरी बिछबैत गेल। जखन पटरी नदी तक पहुंचल तखन एहसास भेल जे आगू 4 स 5टा पैघ नदी अछि जाहि पर पुल चाही। सेपर्स क दूटा कंपनी कए अगिला चार दिन क अंदर पहुंचबा लेल कहल गेल। ब्रिज क निर्माण कार्य शुरू भेल। रेल इतिहास मे पहिल बेर रिकॉर्ड समय में 15 अप्रैल 1874 कए पहिल इंजन दरभंगा पहुंचल। विश्‍व रेल क इतिहास मे 65 दिन मे 55 माइल रेलखंड क निर्माण एकटा रिकार्ड अछि जेकरा तोडब त दूर आजुक
तारीख मे सोचब तक मुश्किल अछि।
श्री जैन कहला जे मिथिला क ओहि शहरक विकास तेजी स भेल जे पटरीक बगल मे छल आ ओ शहर विकास क मामला मे पछुआ गेल जेकर बगल स पटरी नहि गुजरल। ओ कहला जे आजुक दिन समस्तीपुर रेलमंडल 1200
किमी रेल मे फैलल अछि। समस्तीपुर रेलमंडल में प्रतिदिन 50 हजार मैट्रिक टन क माल ढुलाई होइत अछि। साल भर मे करीब 4 स 5 करोड़ यात्री सफर करैत अछि।
एहि व्याख्यान क उद्घाटन ललित नारायण मिथिला विवि क कुलपति प्रो. सुरेंद्र कुमार सिंह केलथि। ओ कहला जे मिथिलाक महाराजा विकासक प्रति जे सोच रखैत छलाह ओ रेल आ सडकक विकास स परिलक्षित होइत अछि।
कार्यक्रमक अध्‍यक्षता करैत अवकाश प्राप्त आईएएस अधिकारी गजानंद मिश्रा कहला जे अंग्रेज कईटा पुल क निर्माण गलत तरीका स केलक जाहि स मिथिला क कईटा नदी अपन मार्ग बदलबा लेल मजबूर भेल। फिलहाल रेलवे
इतिहास क गलती कए न दोहरबैत लंबा पुल क निर्माण करा रहल अछि समरोह मे रेलवे द्वारा कलर्स ऑफ मिथिला रेलवे जर्नी ऑफ द आर्ट क लोकार्पण भेल। एहि समरोह क संचालन संतोष कुमार केलथि जखनकि
धन्‍यवाद ज्ञापन अभय अमन सिंह देलथि। एहि मौका पर हिंदी के विभाग अध्यक्ष डॉ चंद्रभानु प्रताप सिंह, दूरस्थ शिक्षा के उपनिदेशक डॉ विजय कुमार, सहायक निदेशक डॉ शंभू प्रसाद मिल्लत कॉलेज क प्रधानाचार्य डॉ रहमतुल्ला, विधान परिषद् के अवकाश प्राप्त सेक्शन ऑफिसर रमन
दत्त झा, एमएलएसएम के प्रधानाचार्य विद्यानाथ झा, संगीत विभाग की बिभगाध्यक्ष लावण्या सिंह कृति काव्या आ दरभंगा सिटी की समस्त टीम अभिनव, मृत्युंजय, कादिर आ संतोष कुमार मौजूद छलाह।


इसमाद एक गैर-लाभकारी संगठन हैं। हमारी पत्रकारिता को सरकार और कॉरपोरेट दबाव से मुक्त रखने के लिए आर्थिक मदद करें।
—
ACCOUNT NAME – ESAMAAD,  
Bank Account No. – 38352180252, IFSC Code – SBIN0003008, SBI, Sonbarsa

Tags: darbhnagaIndian Railwaymithila
Share43TweetPin

Related Posts

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021
विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

January 7, 2021

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

January 5, 2021
Next Post

काल्हि ‍ जारी होएत इंटर क रिजल्टं

ऐतिहासिक इंद्रभवन मे आयोजित भेल दरभंगा नृत्य उत्सव

हम सब बना देलहुं सरकार - 3

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

बेसी पढ़ल गेल

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

by संपादक
December 19, 2020
0
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

ईश्वर नाथ झा नई दिल्ली/ दरभंगा: आधुनिकता क दौड़ मे मिथिला क पंजी सूत्र क संरक्षण लेल पिछला किछु साल...

Read more

नहि रहलाह रामानंद रेणु : साहित्य गगनक एकटा आर नक्षत्रक अस्त

by संपादक
August 14, 2011
4

Read more

बिहारी चलल अपन देस, लुधियाना मे मजदूर क टोटा

by संपादक
January 6, 2010
0

Read more
Esamaad

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि