• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

दरभंगाक आसमान में 57 साल बाद देखल गेल कोनो यात्री विमान, स्पाइसजेट केलक एयरपोर्टक मुआयना

एयरपोर्टक निरीक्षण करबा लेल आयल नागरिक उड्यन मंत्री हरदीप सिंह पुरी कहला जे सेवा नवंबर से, बुकिंग 30 सितंबर स भ जायत शुरु

September 12, 2020
in समाचार
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दरभंगा. नागरिक उड्यन मंत्री हरदीप सिंह पुरी आइ दरभंगा एयरपोर्ट क निर्माण कार्य क जायजा लेलथि. दोसर दिस स्पाइसजेट सेहो आइ अपन विमान कए दरभंगा क आसमान मे उडा एयरपोर्टक तैयारी क निरीक्षण केलक. 1963 क बाद इ पहिल अवसर छल जखन दरभंगाक आसमान मे कोनो यात्री विमान देखल गेल.

हवाई अड्डे क निरीक्षण केलाक बाद ओ अधिकारी बा संग एकटा समीक्षा बैसार सेहो केलथि. काज कए समय पर पूरा करबा लेल आवश्यक निर्देश सेहो देलथि. एहि दौरान केंद्रीय मंत्री पत्रकार स गप करैत कहला जे दरभंगा स नवम्बर क पहिल सप्ताह स उड़ान सेवा शुरू भ जायत. दरभंगा स प्रत्येक दिन दिल्ली, बेंगलुरु आ मुम्बई लेल फ्लाइट उड़ान भरत. नागरिक उड्डयन मंत्री कहला जे दरभंगा एयपोर्ट स उड़ान भरबा लेल 30 सितम्बर स हवाई टिकट क बुकिंग शुरू भ जायत आ नवम्बर क पहिल सप्ताह स एहि ठाम स उड़ान सेवा सेहो शुरू भ जायत. नागरिक उड्डयन मंत्री हरदीप सिंह पुरी समीक्षा बैसार मे अधिकारी सब कए कहला जे जल्द स जल्द दरभंगा स उड़ान सेवा शुरू भ जाये ताहि लेल बचल काज कए जल्द पूरा करू.

दोसर दिस मंत्री हवाई अड्डा क निरीक्षण कर रहल छलाह आ ठीक ओहि समय मे स्पाइस जेट क विमान सेहो हवाई रूट क सर्वेक्षण क रहल छल. हवा मे स्पाइस जेट क विमान चक्कर लगा रहल छल. मंत्री क संग एयरपोर्ट अथॉरिटी क सेहो अधिकारी मौजूद छलाह. ओतहि दरभंगा क जिला प्रशासन स लकए दरभंगा आ मधुबनी क सांसाद गोपाल जी ठाकुर आ अशोक यादव सेहो मौजूद छलाह.

 

हरदीप सिंह पुरी हवाई अड्डा टर्मिनल क निरीक्षण क दौरान घोषणा केलथि जे बिहार क महान पर्व छठ क अवसर पर मिथिला क लोक कए इ एकटा सनेस होएत. ओ कहला जे हवाई अड्डा क रनवे, ट्रर्मिनल एप्रोच रोड आ टर्मिनल क निर्माण कार्य क निरीक्षण स लगैत अछि जे आप एकर तारीखक विधिवत घोषणा कैल जा सकैत अछि.

दोसरसमाचार

मधुबनीक मोहम्मदपुर हत्याकांड : माछ नहि एक कार्टून शराब लेल भेल पांच गोटेक हत्या, एहि कारण स भेल गिरफ्तारी

मधुबनीक मोहम्मदपुर हत्याकांड : माछ नहि एक कार्टून शराब लेल भेल पांच गोटेक हत्या, एहि कारण स भेल गिरफ्तारी

April 9, 2021
मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

March 11, 2021

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

निरीक्षण क दौरान उपस्थित डी.जी.एम. वीके चानना कहला जे ट्रर्मिनल क कार्य लगभग अंतिम चरण मे अिछ. हवाई अड्डा क अतिथि गृह मे आयोजित बैसार मे पावर प्वाइंट प्रजेनटेशन क माध्यम स डी.जी.एम. मंत्री कए बतेलाह जे 2590mx 45m क रेन-वे 15,000 स्कवायर फीट क ट्रर्मिनल भवन, दो B-737 जहाज लेल एप्रोन एरिया पर कार्य चल रहल अछि. ओ नक्शा क माध्यम स पूरा हवाई अड्डा क्षेत्र मे चल रहल कार्य स मंत्री एक अवगत करेलाह. ओ कहला जे 31 अक्टूबर 2020 तक हर हाल में इ सबटा काज पूरा क देल जायत.

 

Tags: darbangaDarbhanga Airportmithila
ShareTweetPin

Related Posts

मधुबनीक मोहम्मदपुर हत्याकांड : माछ नहि एक कार्टून शराब लेल भेल पांच गोटेक हत्या, एहि कारण स भेल गिरफ्तारी

मधुबनीक मोहम्मदपुर हत्याकांड : माछ नहि एक कार्टून शराब लेल भेल पांच गोटेक हत्या, एहि कारण स भेल गिरफ्तारी

April 9, 2021
मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

March 11, 2021

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

January 10, 2021

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

January 10, 2021

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

January 10, 2021

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

January 7, 2021
Next Post
नीतीशक जिद, मोदीक निर्णय आ संजयक प्रयास क परिणाम थीक दरभंगा एम्स

नीतीशक जिद, मोदीक निर्णय आ संजयक प्रयास क परिणाम थीक दरभंगा एम्स

खत्म भेल 86 साल क इंतजार, PM Modi केलथि Kosi Rail Mega Bridge क शुभारंभ

खत्म भेल 86 साल क इंतजार, PM Modi केलथि Kosi Rail Mega Bridge क शुभारंभ

breaking news : 57 सालक इंतजार आ 11 सालक मेहनत भेल सफल, स्पाइसजेट शुरू केलक दरभंगा एयरपोर्ट लेल बुकिंग

breaking news : 57 सालक इंतजार आ 11 सालक मेहनत भेल सफल, स्पाइसजेट शुरू केलक दरभंगा एयरपोर्ट लेल बुकिंग

टटका समाचार

मधुबनीक मोहम्मदपुर हत्याकांड : माछ नहि एक कार्टून शराब लेल भेल पांच गोटेक हत्या, एहि कारण स भेल गिरफ्तारी

मिथिला क धरती पर भेल छल होलिका क दहन

बिहारक दू टा शहर मे लगाओल जा रहल अछि सर्विलांस कैमरा, पराइत गाड़ीक पता चलि जायत पूरा डिटेल, आऊ बुझू एकर फायदा

सरकारी बस मे बाजत आब आंचलिक गीत, पढू कोन इलाका सब मे बाजत मैथिली, कोन इलाका मे भोजपुरी

अंतरजातीय विवाहक बढल ट्रेंड, पटना स बेसी दरभंगा मे टूटल जाति बंधन

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

विदेश मे नौकरी लेल मेडिकल जांच आब बिहार मे कराउ, आन राज्य जेबाक बाध्यता होएत खत्म

बिहार में आब  इथेनॉल देत युवा कए  रोजगार, सीएम नीतीश कुमार कहला- कुसियारक क संग संग मकईयो स बनायल जयत इथेनॉल

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

बेसी पढ़ल गेल

बिहारक सबसे पुरान रनवे : खाली आसमान, परती जमीन

by संपादक
November 8, 2013
3
बिहारक सबसे पुरान रनवे : खाली आसमान, परती जमीन

Read more

नहि रहलाह रामानंद रेणु : साहित्य गगनक एकटा आर नक्षत्रक अस्त

by संपादक
August 14, 2011
4

Read more

इंग्लैंड क टावर ब्रिज सन बीपी मंडल सेतु पर अगस्त सँ दू पहिया वाहनक परिचालन संभव

by संपादक
June 25, 2018
0

Read more
Esamaad

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि